रंजना हत्याकांड : पुलिसक जाँच पर परिजन उठा रहल छथि सवाल

0
950

दरभंगा, मिथिला मिरर : रंजना मर्डर केसमे पोस्टमार्टम रिपोर्ट आबि गेल अछि मुदा ई रिपोर्ट शकक घेरामे अछि किएक त’ जाहि तरहें ई रिपोर्ट तैयार कएल गेल अछि ओहिसँ आरोपीकेँ सख्त सजा भेटत ई कहब मुश्किल अछि। दरभंगा एसपी मनोज कुमारकेँ मुताबिक पोस्टमार्टम रिपोर्टक आधार पर जाँच आगू बढाओल जैत मुदा एहि रिपोर्टमे की लिखल गेल अछि, एकर खुलासा नै एसपी क’ रहल छथि आ नै विशनपुर थाना प्रभारी। सबसँ पैघ शंका तखन होइत अछि जखन रिपोर्टकेँ गुप-चुप तरीकासँ परिजनकेँ बिना कोनो सूचना देने कखन अस्पतालसँ बड़ा बाबू ल’ गेलथि ककरो पता तक नै चलल, जखन कि परिजन पोस्टमार्टम विभागक कैंपसमे भोरेसँ लाशक संग छलाह। ई चोरा-नुक्कीक खेल निश्चित रुपेँ एकटा पैघ साजिशकेँ तरफ इशारा क’ रहल अछि। मिथिला मिरर विशनपुर थाना प्रभारीसँ बात करबाक अनेको बेर कोशिश केलक मुदा थाना प्रभारी फोन नहि उठा रहलाह अछि। जँ  सूत्रके मानी त’ आब पुलिसके लेल ई मर्डर मिस्ट्री काल बनि गेल छनि।  पुलिस निश्चित नहि क’ पाबि रहल अछि जे एहि घटनाकेँ जाँच कुन दिशासँ करी। एकटा एंगल मर्डर दिस इशारा क’ रहल अछि, दोसर थ्योरी जे रंजनाक सासुर पक्ष गढ़लक ओ एक्सिडेंटके तरफ ल’ जा रहल अछि। एमहर लड़की पक्षसँ जखन बात भेल त’ लड़कीकेँ  भाई कहलाह जे पुलिस लकड़ा पक्षकेँ बचा रहल अछि। एक्सिडेंटक कहानी गढि मामलाक रफादफा करबामे लागल अछि। हालाकि आब ओझोल गामक लोकसभ सेहो दबल जुबानमे लड़कीक मारबाक बात क’ रहल छथि संगहि एहि मामलाके दहेजसँ सेहो जोड़ि रहल अछि। बतादी जे रंजनाक हत्या 18 अगस्तकेँ  हुनक सासुर ओझोलमे  भेल रहनि। एहनमे हमरो सभक किछु जिम्मेवारी बनैत अछि। समाजमे दानवक रूप धारण क’ चुकल दहेज सभ दिन कोनो ने कोनो धियाकेँ अपन  शिकार बना रहल अछि। एकटा सभ्य समाजक लेल इ कलंक बात अछि।