मात्र तीन दिनक दवाई शेष बचल अछि डीएमसीएच केर ओपीडीमे

0
529

दरभंगा। मिथिला मिरर :बिहारमे स्वास्थ्य सेवा भगवाने भरोसे चलि रहल, एहने सन लागि रहल अछि। ओना त’ डीएमसीएचक हाल पछिला कतेको सालसँ नीक नै अछि मुदा तइयो मिथिलावासीक बेवशता छनि जे हारी-बीमारीमे जेता कत’। आखिर कुनो और अस्पतालो त’ नै अछि। हालात ई अछि जे डीएमसीएचक ओपीडीमे मात्र तीन दिनक दवाई शेष बचल छैक। जानकारीक मुताबिक डीएमसीएच अधीक्षक मई महिनामे दवाई आपूर्ति हेतु दवाईक सूची पठाउने छलाह मुदा पछिला शुक्र दिन तक दवाईक आपूर्ति राज्य सरकार नै केने छल ताहि कारणे एक बेर फेर काल्हि डीएमसीएच अधीक्षक डॉ राज नंदन प्रसाद बीएमआईसीएलक फेर एक बेर पत्र लिखलाह आ बिना कोनो देरीक दवाई उपलब्ध करेबाक अनुरोध सेहो केलाह। पठाओल गेल दवाईक सूचीमे किछु एहनो दवाई अछि जकर कारण मरीजकेँ परेशानी सेहो भ’ सकैत अछि। ओहिमे किछु जीवन रक्षक दवाई सेहो छैक।
मुख्य भंडारमे एआरवी मात्र किछु वायल उपलब्ध
डीएमसीएचक मुख्य दवाइ भंडारमे एंटी रेबीज वैक्सीन केर मात्र 210 वायल उपलब्ध छैक। जनतब दी जे कुकुर आ बानरक कटवा पर एआरवी सुई उपयोग कएल जाइत अछि। एआरवी जकर मात्र 210 वायल बचला पर अस्पताल प्रशासन केर परेशानी बढ़ि गेल अछि। एआरवी वैक्सीनक अलाबे गैस, पेट दर्द, उल्टीक दवाइ संगे बहुत तरहक एंटीबायोटिक दवाइ सेहो ख़तम होवय पर छैक। जँ सरकार जल्दीसँ दवाई नै उपलब्ध कराओत त’ मरीजक संगे अस्पताल प्रशासनकेँ सेहो अनेको समस्याक सामना कर’ पड़ि सकैत छन्हि।