डीएमसीएचमे नै भ’ रहल अछि एचआइवी टेस्ट

0
624

दरभंगा, मिथिला मिरर: कहियो मिथिलाक लेल धरोहर छल डीएमसीएच अस्पताल। एहि अस्पतालमे मिथिलाक हरेक क्षेत्रसँ लोक सभ इलाजक लेल अबैत छथि। मुदा बितैत समयकेँ संग डीएमसीएच अस्पतालक हाल खराब भेल जा रहल अछि। पछिला किछु माससँ इ अस्पताल लगातार कोनो ने कोनो दुर्व्यवस्था ल’ चर्चामे रहैत अछि। अखनि जे बात ल’ अस्पताल  चर्चामे अछि ओ छैक जे पछिला दू माससँ एहि अस्पतालमे एचआइवी टेस्ट नै भ’ रहल अछि। एतयकेँ रोगी सभकेँ एचआइवी जाँचक लेल छह किलोमीटर दूर बहादुरपुर पीएचसी भेजल जा रहल अछि। ई चौकावै वला मामला जरूर अछि, मुदा यैह अछि डीएमसीएचक’ सच। डीएमसीएचकेँ रोगी सभक ई पछिला दू माससँ अछि। बहादुरपुर पीएचसीसँ एचआइवी जाँच करेबाक बादे डीएमसीएचमे इलाज लेल रजिस्ट्रेशन कराओल जा सकैत अछि। जानकारीकेँ मुताबिक दू महिना पहिने डीएमसीएचक ओपीडीमे स्थित आईसीटीसीमे एचआईवीक जाँच होइत छल। कोनो कारणवश एतय काज करय वला तकनीशियन नौकरी छोड़ देलनि। जाहिकेँ बाद एतय जाँच भेनाई ठप्प भ’ गेल अछि। हरेक दिन एहि जाँचक लेल बैरंग लौटैत छथि।

हालाँकि डीएमसीएच प्रशासनकेँ कहब छनि जे  स्वास्थ्य विभाग पटनाकेँ तकनीशियन पद पर बहाली करबाक आग्रह केलक अछि। मुदा, अखनि धरि उच्च अधिकारिकेँ नींद नहि खुलल अछि। रोगी सभक परेशानीकेँ देखैत डीएमसीएच प्रशासन तत्काल एहि जाँचक लेल पीएचसी बहादुरपुरक चयन केलक अछि। आब डीएमसीएचमे जे एचआईवी इलाजक लेल रोगी अबैत छथि, हुनका सभकेँ एहि जाँचक लेल बहादुरपुर भेज देल जायत अछि। रोगी सभकेँ कहल जाइत अछि जे जाँचक बादे एतय एचआईवीक इलाज शुरू होयत। परेशान मरीज भागल-भागल छह किलोमीटर दूर बहादुरपुर पीएचसी पहुँचैत छथि। पॉजिटिव जाँच रिपोर्टक बादे डीएमसीएचमे रोगिक इलाज शुरू होइत अछि। अधीक्षक डॉ. आरआर प्रसाद बतौलनि जे तकनीशियनकेँ बहाली लेल पत्र भेजल जा चुकल अछि। जखनि धरि एतय तकनीशियनकेँ बहाली नै होयत तखनि धरि एतय इलाज नहि शुरू होयत। तहन एहन स्थितिमे रोगीकेँ एहि जाँच लेल बहादुरपुर मात्र विकल्प छनि। की एहि आधार पर मुख्यमंत्री विकासक ढ़ोल पीट रहल छथि। एहन त’ नै बुझना जायत अछि जे आवय वला समयमे खास क’ स्वास्थ्यक क्षेत्रमे कोनो विशेष परिवर्तन देखबाक लेल भेटत।