पत्रकार इंद्रदेव यादवक बेटीक पढ़ाईक खर्च उठौता सांसद पप्पू यादव

    0
    318

    दिल्ली-मिथिला मिररः चतरा, झारखंडमे ताजा टीवीक पत्रकार इंद्रदेव यादवक गोली माइर कऽ हत्या कय देल गेल छल, ओहि सिलसिलामे पीड़ित परिवार सं भेंट करवाक लेल मधेपुरा सं सांसद आ जन अधिकार पार्टीक संस्थापक राजेश रंजन उर्फ पप्पू यादव रविदिन चतरा पहुंचलाह। परिवार सं भेंट कऽ सांसद परिवारकें ढाढस बन्हौलनि। बादमे मीडिया सं बातचीत करैत सांसद पप्पू यादव कहला जे इंद्रदेवक दुनू बेटीक पढ़ाई कें खर्च हम अपना माथ पर लैत छी आ इ हमर जिम्मेदारी रहत जे ओकरा कोनो नीक सं नीक शिक्षा भेट सकय। हालांकि ओ सब एखन बहुत छोट अछि।
    बादमे मुख्यमंत्री सं मांग करैत सांसद कहला जे अहि घटनामे संलिप्त समस्त अपराधीकें शीघ्र सं शीघ्र पकड़ल जाए। लेकिन चतरा पुलिसक मुस्तैदी सं सांसदक मांग सं पहिने समस्त अपराधीकें पकड़ल जा चुकल छल। सांसद पप्पू यादवक इ एकटा सराहनीय डेग अछि मुदा ओ अपन अहि वचन पर कतेक ठाढ़ हेताह ओ त समय बताओत।