शराब नीतिमे मुख्यमंत्री, स्वास्थय मंत्री स्वीमिंग पुल आ शिक्षा मंत्री स्नूकर मे मस्त

    0
    283

    दिल्ली-मिथिला मिररः बिहारमे सुरक्षा व्यवस्था अपन निम्नतर स्तर कें छूवाक लेल तैयार अछि। चारू दिस लगातर एककें बाद एक घटना भय रहल छैक। प्रशासन सेहो अपन लचर स्थितिमे देखना जा रहल अछि। आम जनता त दूरकें बाद स्वयं प्रशासन लोक सब सेहो अपना आपकें असहाय बुझि रहला अछि। एहनमे मुख्यमंत्री नीतीश कुमार अपन अगिला राजनीतिक जमीन तलाशवाक लेल शराब नामक एजेंडा लय बिहार सं बाहर अपन भाषण देवा मे मस्त छथि त दोसर दिस मुख्यमंत्रीक पद चिन्ह पर चलैत सरकारक अन्य मंत्री लोकनि सेहो ओहिना कय रहल छथि।
    सरकारमे स्वास्थ्य मंत्री आ लालू यादवक जेठ बेटा स्वास्थ्य समस्या सं दूर स्वीमिंग पुलमे अपना दोस्त लोकनिक संग नजैर अबैत छथि त दोसर दिस राज्य शिक्षा स्नूकर खेलवामे व्यस्त छथि। राज्यमे सरेआम हत्या, लूट, डकैती आ नहि जानी कोन-कोन अपराध घटि रहल अछि मुदा सरकार एक आओर चेहरा आ राज्यक उपमुख्यमंत्रीक दलील त सब कें अपनहि आंगुर कटवाक लेल विवश करैत अछि।
    अहिमे कोनो दोराय नहि जे विधायक अपन व्यक्तिगत जीवन नहि जीवौथ मुदा जखन राज्यक स्थिति सामन्य नहि रहए ओहनमे जौं मंत्री विधायक कथित रूपसं अय्याशी करैत देखल जाइथ त ओकरा कि कहि सकैत छी। हालांकि सोशल मीडिया पर एकटा संवाद एखन बहुत बेसी वाइरल भय रहल अछि जे बिहार कें बदनाम करवाक साज़िश चलि रहल अछि, आ इ बात पत्रकारिता सं जुड़ल किछु तथाकथित पत्रकार लोकनिक मुंह सं आबि रहल अछि जे अपन व्यक्गित हितकें समाज पर होपी रहला अछि। मुदा ओहि व्यक्ति लोकनिकें इ नहि बुझल छन्हि जे बिना आगिक धुआ नहि निकलैत अछि।