हरियाणा सँ भागल प्रेमी युगल खजौली सँ भेल गिरफ्तार

    0
    322

    मधुबनी,मिथिला मिरर ब्यूरो चीफ-पारस ठाकुरः हरियाणा सँ भगायल गेल प्रेमी युगल खजौली के डुमरियाही गांव कें लक्ष्मी पासवानक घर सँ गिरफ्तार भेल। नाबालिग लड़की कें भगाबय वाला प्रेमी योग नारायण पासवानक बेटा अमित कुमार बाबूबरही प्रखंडक भटगामा गांमक रहनिहार अछि। ओ छह मार्च क गुड़गांव (हरियाणा) सँ बियाह करय कें मोन बना एहि नावालिग लड़की कें भगौने छल। खूब तकलाक बाद लड़कीक बाप नौ मार्च कऽ हरियाणा के गुड़गांव नगर थाना मे अप्पन नावालिग बेटीक अपहरण सँ सम्बंधित एकटा मामला दर्ज करौने छेलाह।
    इ युवक कतेक दिन सँ ओहि बचिया कें संग अप्पन मौसीक गाम डुमरियाही मे लक्ष्मी पासवान कें ओतय चोराकऽ रहि रहल छल। इ जानकारी दैत हरियाणा पुलिसक महावीर सिंह कहलाह कि गुप्त सूचनाक आधार पर खजौली थानाध्यक्ष ब्रज किशोर सिंह आ स्थानीय पुलिस बलक सहयोग सँ छापेमारी कऽ भागल प्रेमी युगलकें पकड़ल गेल। छापेमारी दल मे हरियाणा पुलिस महावीर सिंह, रामाशीष सिंह, महिला पुलिस बल बबिता देवी सहित खजौली थाना केंपुलिस बल शामिल छल।