एसकेएमसीएचकें 22 गोट छात्र पर प्राथमिकी दर्ज

    0
    282

    मुजफ्फरपुर, मिथिला मिरर: एसकेएमसीएचमे भेल हंगामाकें तेसर दिन सेहो तनावक स्थिति बनल रहल। पूरा परिसरमे पुलिस फ्लैग मार्च केलक। मारिपीटमे गंभीर रूप सं घायल संजय सहनी उर्फ हनुमानकें उच्च इलाजक लेल परिजन पटना लए गेल। परिजन 22 गोट मेडिकल छात्रक खिलाफ अहियापुर थानामे नामजद प्राथमिकी दर्ज करेलक अछि। जकर बाद पुलिस जांच शुरू कए देलक अछि।

    दोसर दिस, घटना सं आक्रोशित आसपासक दोकानदार मेसक लेल राशन दबा सं मना कए देलक अछि। जाहि सं मेडिकल छात्रके भोजनक समस्या ठाढ़ भए गेल अछि। हालांकि सूचनाक बाद वरीय चिकित्सक बाहर सं राशन आ अन्य जरूरी सामानक व्यवस्था हॉस्टलक छात्रके लेल कए देलनि। साँझमे मेडिकल छात्र आ ग्रामीण अलग-अलग बैसक केने छल। दुनू दिस एखनहु तनावक स्थिति व्याप्त अछि। पूरा मामलाक जांच अहियापुर थानाक दरोगा सत्येंद्र कुमार मांझी कए रहल छथि।