वैश्विक कोरोना महामारीक बीच लाखो श्रद्धालु कयलनि गंगासागर स्थान, प्रशासनक व्यवस्था चाक-चौबंद

0
54

मिथिला मिरर-कोलकाताः सनातन धर्माम्वलंबीक सभ सँ पैघ आस्थाक केन्द्र मे सँ एक गंगा सागर मे एहि बेर सेहो लाखोक संख्या मे श्रद्धालु स्नान कयलनि। वैश्विक कोरोना महामारी केँ देखैत एहि बेर श्रद्धालुक सागर तट पर कम पहुंचबाक अनुमान छल मुदा आस्थाक आगू कोरोना महामारी दम तोड़ैत नजरि आयल। सूत्रक मानी तँ एहि बेर गंगासागर मे करीब 5 लाख सँ बेसी श्रद्धालु डुबकी लगौलनि। राज्य सरकार, केन्द्रीय स्वास्थ्य मंत्रालय द्वारा जारी कोरोना सँ संबंधित समस्त प्रोटोकाॅल केँ ध्यान मे राखैत सभ तरहक व्यवस्था चाक-चैबंद कऽ-कऽ रखने छल।
तीला संक्रांतिक भोर मे सागर तट पर भीड़ कनेक कम छल मुदा 8 बजैत-बजैत ई भीड़ बढ़य लागल आ भक्तक संख्या सांझ होइत-होइत 5 लाख केँ पार कऽ गेल। हालांकि सरकारी सूत्रक मानी तँ मंगलदिन धरि करीब 2 लाख सँ अधिक श्रद्धालु सागर तट पर आबि चुकल छलाह जाहि मे कम सँ कम 5 गोटे मे कोरोना संक्रमण पाओल गेल। एहि संदर्भ मे दक्षिण 24 परगना जिला प्रशासन जानकरी दैत कहलनि जे भीड़ केँ कम करबाक लेल सरकार द्वारा ई-स्नानक व्यवस्था कयल गेल अछि आ ओहि केँ तहत देश भरिक करीब 54 हजार श्रद्धालु केँ पवित्र गंगा सागरक संगम बला स्थान सँ जलापूर्ति कराओल गेल।
पश्चिम बंगालक पंचायती राज्य मंत्री सुब्रत मुखर्जी कहलनि जे सरकार भीड़ केँ नियंत्रित करबाक लेल ई-स्नान सुविधा पर जोर देलक आ 150 टकाक मामूली शुल्क पर श्रद्धालु सभ केँ संगम तट सँ पवित्र जलक संग-संग प्रसाद सेहो मुहैया करबौलक। संवाददाता सँ बातचीत करैत मंत्री भक्त सभ सँ आह्वान कयलनि जे कोरोना महामारीक संदर्भ मे सरकार द्वारा जारी दिशा-निर्देशक पालन करैत भक्त पवित्र संगम तट पर स्थान कऽ कपिल मुनिक दर्शनक उपरांत अपन घर जाइथ। सुब्रत मुखर्जी कलहनि जे 12 जनवरी धरि सागर तट पर करीब 2 लाख सँ बेसी श्रद्धालु पहुंच चुकल रहथि आ ओहि मे सँ 5 गोटे केँ कोरोना संक्रमित होयबाक जानकारी प्रशासन लग अछि।
मंत्री सुब्रत मुखर्जी एहि बात पर जोर दैत कहलनि जे गंगासागर मेला पश्चिम बंगालक सभ सँ पैघ धार्मिक आयोजन मे सँ एक अछि आ एकर सफल आयोजन हेतु पश्चिम बंगालक ममता बनर्जीक सरकार सतत नीक सँ नीक आयोजन करबाक लेल कृतसंकल्पित रहैत अछि। अपन केँ बता दी जे एहि बेर स्नानक शुभ मुहूर्त प्रातः काल छह बाजि कऽ दू मिनट सँ शुय भऽ अगिला 24 घंटा धरि अछि।