तीला संक्रांतिक अवसर पर गंगा सागर मे डुबकी लगेलनि लाखो श्रद्धालु

0
49

मिथिला मिरर, कोलकाताः तीला संक्रांतिक अवसर पर पश्चिम बंगाल स्थित गंगा आ सागर संगम अर्थात गंगा सागर मे लाखो श्रद्धालु डुबकी लगौलनि। अपने केँ जनतब हैत जे भारत मे कुंभक बाद गंगासागर स्नान श्रद्धालुक दृष्टिएँ दोसर स्थान रखैत अछि। एहि बरख सेहो लाखोक संख्या मे देशभरि सँ भक्तक तांता गंगा सागर मे देखबाक भेटल। 13 जनवरी सँ भक्तक जुटान गंगा सागर मे होमय लागल आ तीला संक्रांतिक दिन तक ई आंकड़ा लाखोक संख्या मे पहुंच गेल।
एहि बेर राज्य सरकार द्वारा प्लास्टिकक उपयोग वर्जित कयल गेल छल। प्रशानिक व्यवस्थाक सेहो नीक जकाँ इंतजाम कयल गेल छल। पूरा मेला परिसर केँ हेलीकाॅप्टर आ ड्रोन सँ नजरि राखल जा रहल छल। कोनो तहरक प्रशानिक चूक नहि हो एहि लेल जगह-जगह अस्थायी पुलिस बूथ सेहो बनेबाक ब्यौंत सरकार द्वारा कयल गेल। करीब 10 हजार सँ अधिक पुलिसकर्मी लगातार सुरक्षा व्यवस्था देख-रेख कऽ छलाह।
राज्य सरकारक करीब दस गोट मंत्री लगातार ग्राउंड जीरो पर रहि पूरा मेलाक तैयारी आ ओहिठाम भक्त सभक लेल कोनो तरहक दिक्कत नहि हो एहि बातक जानकारी लऽ रहल छलाह। क्विक रिस्पांस टीम केँ लाॅट नंबर 8, नामखाना, चेमागुरी आओर कचुबेरिया सहित अन्य जगह पर तैनात कयल गेल छल। सैकड़ो संख्या मे नाव आ नाविक दलक टीम केँ सेहो तैनाती कयल गेल छल। एहि बेर यात्री सभक लेल 2200 चलाओल गेल छल जे पैछला सालक तुलना मे 300 अधिक। मुख्यमंत्री ममता बनर्जी सेहो काकद्वीपक यात्रा कऽ मेलाक स्थितिक जायजा लेने छलही आ यात्री केँ कोनो तरहक दिक्कत नहि होनि एहि बातक जानकारी अधिकारी सभ सँ लेने छलथि।