स्पाइस जेटकेँ बाद दरभंगाक विद्यापति टर्मिनलसँ उड़ान भरि सकैत अछि इंडिगो

0
2853
SpiceJet ROJ 737 MAX8 Artwork K66052

दरभंगा, मिथिला मिरर : दरभंगा एयरपोर्ट अखनि शुरू नै भेल अछि। मुदा दरभंगासँ उड़ान सेवा शुरू करबाक लेल आब अन्य एयरलाइन कंपनी सभ सेहो उत्सुकता देखा रहल अछि। अखनि धरि आधिकारिक रुपें स्पाइस जेटकेँ भारतमे दिल्ली, बेंगलुरु आ मुंबई लेल उडान भरबाक टेंडर भेटल अछि। मुदा किछु आओर एयरलाइन्स कंपनी सेहो आब एतयसँ भारतक विभिन्न महानगर लेल उड़ान भरबाक तैयारी क’ रहल अछि। एहि क्रममे इंडिगो एयरलाइनकेँ नाम सामने आबि रहल अछि। दरभंगाक विद्यापति टर्मिनलसँ जल्दिये स्पाइस जेटकेँ अलावा इंडिगोक उड़ान सेवा सेहो शुरू होयत। इंडिगो अगिला किछु दिनमे एकर औपचारिक घोषणा करय वला अछि। सूत्रकेँ मानी त’ इंडिगो कमसँ  सातसँ दस जगहक लेल दरभंगासँ अपन उड़ान सेवाक शुरुआत करत। उड़ान योजनाकेँ तहत स्पाइस जेट पहिनेसँ दिल्ली, मुंबई आ बेंगलुरु रूट पर उड़ान सेवा हासिल क’ लेने अछि।

अन्य रूट पर इंडिगोक उड़ान सेवाकेँ शुरुआत भ’ सकैत अछि। इंडिगो कंपनी लगातार एहि लेल प्रयासरत अछि। मानल जा रहा रहल अछि जे कंपनीकेँ तरफसँ जल्दिये एकर सार्वजनिक घोषणा क’ सकैत अछि। कंपनीक एकटा वरीय अधिकारी लगातार एहि लेल राजनेता लोकनिक संपर्कमे छथि। मालूम होयत जे इंडिगो कंपनी दरभंगासँ हवाई सेवा शुरू करबामे कोनो दिलचस्पी नहि देखेने छल। हालाँकि बादमे लोक सभसँ भेट रहल फीडबैक आ सर्वेसँ ई स्पष्ट भेल जे मिथिलाक हृदयस्थली दरभंगासँ हवाई सेवा शुरू करबामे पटनासँ कहीं ज्यादा मुनाफा कंपनीकेँ भ’ सकैत अछि। मानल जा रहल अछि जे इंडिगो एतयसँ कोलकाता, रायपुर, चेन्नई, अहमदाबाद आदि शहरकेँ लेल उड़ान सेवाक शुभारंभ क’ सकैत अछि। एतबे नहि दरभंगासँ नेपाल लेल सेहो इंटरनेशनल फ्लाइट सेवा शुरू कएल जायत। जानकार लोकनिक मानब छनि जे एतयसँ हवाई सेवा शुरू भेलासँ दरभंगा सहित मधुबनी, सहरसा, किशनगंज, पूर्णिया, मुजफ्फरपुर, समस्तीपुर, रक्सौल, सीतामढ़ी, अररिया, फारबिसगंज सहित बेगूसरायसँ यात्री पटना जेबाक बजाए दरभंगा औताह। आब देखबाक बात इ अछि जे कहिया धरि इंडिगो एकर औपचारिक घोषणा करत।