जेईई मेनमे पटनाक एलिट इंस्टीट्यूटक छात्रक धूम, संस्थानक 162 गोट विद्यार्थी सफल

    0
    353

    दिल्ली-मिथिला मिररः बुधदिन सांझमे केन्द्रीय माध्यमिक शिक्षा बोर्ड (सीबीएसई) द्वारा संयुक्त प्रवेश परीक्षा (जेईई मेन)कें परीक्षा परिणामक घोषणाक बाद पटना स्थित ‘एलिट इंस्टीट्यूट’मे खुशी लहर पसरि गेल। संस्थानक निदेशक अमरदीप झा गौतम सहित समस्त विद्यार्थी चेहरा पर एकटा नव खुशीक संग-संग तेज साफ झलकि रहल छल। अहि बेर आयल परीक्षा परिणाम मे एलिट इंस्टीट्यूटक 162 गोट छात्र-छात्रा सफल भेलथि।

    पैछला बरखक तुलनामे अहि बरख संस्थानक लेल परीक्षा परिणाम सुखद रहल कारण पैछला बरख 156 गोट विद्यार्थी सफल भेल छलाह जखन कि अहि बेर इ संख्या 162 धरि पहुंचल। एलिट इंस्टीट्यूटक संस्थापक निदेशक अमरदीप झा गौतम मिथिला मिरर कें संपादक ललित नारायण झा संग बातचीतमे प्रसन्नता जाहिर करैत कहला जे अहि सफलताक श्रेय ओहि छात्र-छात्रा लोकनि कें जाइत छन्हि जे दिन राइत मेहनत कय अपन माता-पिताक संग-संग संस्थानक नाम रोशन केलाह अछि। झा कहलनि जे जौं बच्चाक लगन आ ओकर अभिभावाकक नीक मार्गदर्शन नहि रहत त कोनो शैक्षनिक संस्थान नीक प्रतिफल नहि दय सकत। शैक्षनिक संस्थान आ कि ओहिमे पढ़वै वला गुरूजन रास्ता मात्र तैयार करैत छथि मुदा ओहि बाट पर चलवाक कार्य ओहि बच्चा कें करय पड़ैत छन्हि जे ओहि बाट पर चलवाक स्वप्न देखैत छथि।
    संस्थानक परिणाम सं गदगद एलिट’क निदेशक कहला जे सफल 162 गोट छात्र-छात्रामे सामान्य वर्ग 47, ओबीसी सं 84 आ एसएसी/एसटी सं 31 गोट छात्र शामिल छथि। संस्थान सं उतीर्ण भेल छात्र लोकनमे स्वस्तिका सिंह, राजन भंडारी, शिवांगी चंद्रा, केशव कुमार आ अदिति भारतीक नाम प्रमुख अछि। मिथिल मिरर दिस सं सेहो संस्थानक संस्थापक निदेशक अमरदीप झा गौतम आ समस्त सफल छात्रकें बधाई आ जे छात्र लोकनि अहि बेर चुकि गेलाह हुनका लेल उज्जवल भविष्यक कामना।