रेलमंत्री सुरेश प्रभु सं भेंट कऽ स्थानीय रेलवेक समस्या सं अवगत करौलनिः सांसद बीरेन्द

    0
    336

    दिल्ली-मिथिला मिररः बुधदिन अर्थात 27 अप्रैल कऽ प्रधानमंत्री नरेन्द्र मोदी सं भेंटघांट कऽ अपना जिला सहित मिथिलाक विभिन्न समस्या सं अवगत करौलाक बाद बृहस्पतिदिन झंझारपुर लोकसभा संसदीय क्षेत्र सं भाजपाक सांसद बीरेन्द्र कुमार चौधरी रेल मंत्री सुरेश प्रभु सं भेंट कऽ हुनका अपना संसदीय क्षेत्र आ जिलामे रेलवेमे बेसी सं बेसी कार्य करवेवाक आग्रह केलाह। बृहस्पतिदिन सांझमे मिथिला मिरर संपादक सं भेल विशेष बातचीत सांसद कहला जे हम रेलमंत्री सं बातचीत कय हुनका अपना क्षेत्रक विभिन्न समस्या सं अवगत करा हुनका सं ओहि पर सहयोग देवाक बात केलौह। बकौल सांसद, रेल मंत्री सेहो गंभीरता सं हमरा बातकें सुनलाह आ यथा संभव ओहि पर अमल करवाक आश्वासन देलाह।
    सांसद द्वारा रेलमंत्री कऽ संम्मुख राखल गेल बात
    1.सकरी-निर्मली अमान परिवर्तनकें कार्य यथाशीघ्र शुरू कराओल जाय।
    2.झंझारपुर रेल पुल बनेवामे एतेक विलम्ब कियैक भय रहल अछि, एकरा यथाशीघ्र बनाओल जाय।
    3.गंगासागर इत्यादि ट्रेनक मेल सकरी-निर्मली, लौकहाक यात्रीक सुविधा लेल करवाओल जाय।
    4.तमुरिया स्टेशन पर रैक पहुचेवाक व्यवस्था कैल जाय कारण अहि स्टेशन पर रेलवेक बहुत जमीन अछि।
    5.जयनगर रेलवे कें एनएच 104 आ 105 पर सेतु भारतम योजनाक तहत उपरका पुल बनेवाक स्वीकृति भेटलाक बादो कार्य प्रारंभ नहि भेल अछि, ओकरा यथा संभव शुरू कैल जाय।
    6.स्वतंत्रता सेनानी, गंगासागर इत्यादि ट्रेनक ठहराव राजनगर, खजौली आ पंडौलमे कायल जाय।
    7.जयनगर रेलवे स्टेशनकें प्लेटफाॅर्म संख्या 2 एंव 3कें ऊंच कराओल जाय।
    8.जयनगर-दरभंगा रेल लाइन कें दोहरीकरण करवाओल जाय
    9.जयनगर रेलवे स्टेशनकें अंतरराष्ट्रीय स्टेशनक दर्जा देल जाय।
    10.जयनगर-आनंद विहार गरीब रथ एक्सप्रेस ट्रेन कें दैनिक कैल जाय संगहि दरभंगा तक रूकैय वला सब ट्रेनक विस्तार जयनगर तक कैल जाय।