प्रसाद खेला सं 38 गोटे बीमार, अस्पताल मे भर्ती

    0
    252

    बेगूसराय, मिथिला मिरर: बिहार के बेगूसराय मे प्रसाद खेला सं 38 गोटेक बीमार हेबाक घटना प्रकाश मे आयल अछि। सब के निजी तथा सरकारी अस्पताल मे भर्ती कराओल गेल अछि। घटना बरौनी थाना क्षेत्रक असुरारी गामक अछि।

    सूत्रक अनुसार 14 नवम्बर क पकठौल निवासी दर्शन चौधरी असुरारी मे एकटा मोटर गैराजक उद्घाटन केलनि। जकर प्रसाद सिर्फ 14 नवम्बर क नहि बल्कि 15 आ 16 नवम्बर क सेहो बांटल गेल। प्रसाद खाईते लोक धीरे-धीरे अस्पताल पहुंचय लागल। फिलहाल एखन धरि मरीजक कुल संख्या 38 बताओल जा रहल अछि।