सहरसा मे एसटीएफ आ अपराधि’क बीच मुठभेड़, हथियार समेत चारि गोट अपराधी गिरफ्तार

    0
    279

    सहरसा, मिथिला मिरर: बिहार के सहरसा जिला मे पुलिसक स्पेशल टास्क फोर्स आ अपराधी के बीच जमि कय मुठभेड़ भय गेल। पटना एसटीएफ आ अपराध बीच भेल मुठभेड़ मे रामानंद यादव गिरोहक चारि गोट सदस्य के गिरफ्तार कायल गेल। अहि दौरान एसटीएफ’क टीम के भारी मात्रा मे हथियार सेहो भेटल अछि।

    बरामद हथियार मे पुलिस सं लूटल गेल रायफल सेहो शामिल अछि। आईजी ऑपरेशन के निर्देश पर भेल अहि कार्रवाई के पुलिस बड़ पैघ सफलता मानि रहल अछि। मुठभेड़ सहरसाक चिड़ैया थाना क्षेत्र मे भेल। एसटीएफ के अपराधीक इकट्ठा हेबाक खबरि भेटल छल, जकरा बाद पुलिस कार्रवाई केने छल।

    अहि दौरान अपराधी गोलीबारी शुरू कय देलक। एसटीएफ सेहो जवाबी कार्रवाई करैत ई सफलता हासिल केलक अछि।