किसानक समर्थन मे उतरलाह पप्पू यादव, भाजपा आ जाप कार्यकर्ता मे भिडंत, चलल लाठी डंडा

0
650

पटना, मिथिला मिरर : देश 31टा किसान संगठन द्वारा आहूत भारत बंदक समर्थन करैत जापक राष्ट्रीय अध्यक्ष पप्पू यादव ट्रेक्टर संग पटना मे विरोध प्रदर्शन मे शामिल भेलाह। अपन सैकड़ों कार्यकर्ता संग पटनाक डाकबंगला चौराहा पर विरोध प्रदर्शन कएलाह। एहि केँ अलावे सँ अन्य –अन्य जगह पर सेहो प्रदर्शन कएल गेल। एही बीच राजधानी पटना मे शुक्रदिन जाप आ भाजपा कार्यकर्ता लोकनिक बीच भिडंत भ’ गेल। खबरि केँ मुताबिक किछु जाप कार्यकर्ता प्रदर्शन केँ दौरान भाजपा प्रदेश कार्यालयक गेट पर विरोध करय लगलाह। ताहि कारण भाजपा कार्यकर्ता जाप कार्यकर्ता केँ लाठी डंडा सँ खदेड़ क’ पिटलनि। एतबे नहि एही झड़प मे एकटा नेता केँ माथ सेहो फाटी गेलनि।

घटना वीरचंद पटेल पथ स्थित भाजपा ऑफिस केँ सामने दुपहरिया मे घटल। बताओल जा रहल अछि जे जाप कार्यकर्ता नरेन्द्र मोदी हाय-हाय केँ नारा लगा रहल छल जाहि कारण भाजपा कार्यालय मे बैसल कार्यकर्ता लोकनि केँ खराब लगलनि आ आक्रोश मे आबि घटना केँ अंजाम देल गेल।

दुपहरिया बाद प्रेस केँ संबोधित करैत पप्पू यादव मुख्यमंत्री नीतीश कुमार पर हमलावर होइत कहलनि अछि जे भाजपाक गुंडा सभ पर मुकदमा दर्ज कएल जाए अन्यथा जाप कोर्टक शरण मे जा न्याय केँ गुहारि लगाओत। पप्पू यादव किसान बिल केँ किसान विरोधी करार देलनि अछि। कहलनि अछि जे केंद्र आ राज्यक सरकार दुनू मिल किसान केँ गला घोंटय पर लागल अछि। ई सरकार कॉर्पोरेटक हाथक कठपुतली बनि गेल अछि। किसान केँ गुलाम बनेबाक तैयारी मे अछि। नीतीश केँ शासन मे गुंडा सभ फलि-फूली रहल अछि। शिक्षा, रोजगार आ स्वास्थ्य मे बिहार देश सभसँ निचला पायदान पर पहुँची चुकल अछि। पूरा बिहार मे अफसरशाही चलि रहल अछि। विकासक नाम पर ढ़ोंग कएल जा रहल अछि।