मोटरसाइकिल चोर गिरोहक पर्दाफाश, बाप-बेटा सहित तीन गोटे गिरफ्तार

    0
    260

    मधुबनी, मिथिला मिरर-पारस कुमार ठाकुर: मधुबनीक मधवापुर प्रखंडक साहरघाट थाना पुलिस बाइक चोर गिरोहक पर्दाफाश करैत गिरोह मे शामिल बाप-बेटा सहित तीन गोटेक गिरफ्तार केलक अछि। गिरफ्तार आरोपी लग सं चोरीक बाइक आ फर्जी कागजात बनाबय बला मशीन सेहो बरामद कायल जेल।

    पुलिस के अनुसार एकटा शिकायत पर पतार गाम मे आरोपी के घर पर चारि घंटा तक छापेमारी कायल गेल। जकरा बाद घर के आस-पास झाड़ी मे नुकायल पांच टा चोरीक मोटरसाइकिल बरामद कायल गेल।
    बरामद उपकरण मे लैपटॉप प्रिंटर, स्कैनर, कैमरा, कीबोर्ड, सीडी तथा अनेक तरहक केबल समेत दर्जनो सामान शामिल अछि।

    गिरफ्तार आरोपी अरुण कुमार राय तथा अरुण कुमारक बेटा कन्हैया राय मधवापुर मे कॉमन सर्विस सेंटर चलाबय के काज करैत छल। जहन कि तेसर आरोपी दिलीप यादव अहि दुनूक संग दैत छल। सूत्रक अनुसार बहुत दिन सं दूनू बाप-बेटा मधवापुर मे सर्विस सेंटर बंद केने छल आ घरे पर सर्विस सेंटर के नाम पर फर्जीवाड़ा करैत छल।