राधाष्टमी पूजनोत्सव कार्यक्रमक शुभारंभ

    0
    289

    मधुबनी, मिथिला मिरर-पारस कुमार ठाकुर: श्री श्री 108 राधाष्टमी नवयुवक पूजा समिति महेश्वारा के तत्वावधान मे शुक्रदिन महेश्वारा पंचायत भवन चौक पर छह दिवसीय राधाष्टमी पूजनोत्सव कार्यक्रमक शुभारंभ कायल गेल। जाहि के लय 251 टा कन्या द्वारा भव्य कलश शोभा यात्राक झांकी पुजारी सह संस्थापक मदन साही के नेतृत्व मे निकालल गेल।

    पूजा एवं कलश शोभा यात्रा झांकीक उद्घाटन समाजसेवी अमरनाथ प्रसाद साह एवं मुखिया अरुण कुमार सिंह ने दीप जरा कय केलनि। सब कन्या चंद्रडीह गाम स्थित कमला नदी स पवित्र जल भरिकय पूजा पंडाल मे स्थापित केलनि। अहि पवित्र जल स पूजा पंडाल के पवित्र कायल गेल, जाहि के बाद पंडित ताराकांत झा वैदिक मंत्रोच्चारण स पूजा प्रारंभ केलनि।

    पूजा के लय क सांस्कृतिक कार्यक्रम, रासलीला, मीना बाजार, झूला, सहित बहुतो रंगारंग कार्यक्रमक आयोजन कायल गेल। राधाष्टमी के लय क चहुदिस जश्नक माहौल व्याप्त अछि। राधा-कृष्णक सुमधुर गीत-संगीत स माहौल भक्तिमय बनल अछि। पूजनोत्सव कार्यक्रम मे रामबाबू राय, रामनारायण ठाकुर, समिति के अध्यक्ष रामबाबू पासवान, रामकलेवर पासवान, गंगा प्रसाद मंडल, बिल्टू पासवान परिक्षण यादव सहित समस्त ग्रामीण हिस्सा लय रहल छथि।