माले द्वारा समाजिक परिवर्तन यात्रा प्रारंभ कायल गेल

    0
    295

    दरभंगा, मिथिला मिरर-निशान्त झा: दलित गरीब पर भय रहल अत्याचार तथा हमला के विरोध मे माले द्वारा शुक्रदिन बहादुरपूर, बहेरी, हायाघाट प्रखंडक भ्रमण कयल गेल तथा जगह-जगह नुक्कड़ नाटक कय लोक के जागृत करबाक प्रयास कायल गेल।

    बहादुरपूरक प्रखंड मुख्यालय डरहार, उसामामथ, खैरा, उघरा, पतोर, बहेरी आदि पर नुक्कड़ सभाक आयोजन कयल गेल। अहि मौका पर सत्यनारायण मुखिया, अभिषेक प्रवीण यादव, कैलाश पासवान, रामसजीवन सदाय समेत बहुत रास माले नेता के मौजूद छलाह।