पंचायत चुनावक शुभारंभ, रविदिन 38 जिलाक 60 गोट प्रखंडमे खसाओल जायत वोट

    0
    280

    दिल्ली-मिथिला मिररः रविदिन अर्थात 24 अप्रैल कऽ बिहारमे पंचायत चुनावक पहिल चरणक लेल मतदान कैल जायत। बिहारमे पंचायत चुनावक बोखार आइ-काल्हि सातम आसमान पर चढ़ल देखना जा रहल अछि। एहनमे राज्यक समस्त 38 गोट जिलाक 60 गोट प्रखंडक लेल रविदिन भोरे 8 बजे सं मतदान शुरू भय जायत। पैछला किछु साल सं इवीएम मशीनमे वोट खसेवाक आदी भय चुकल आम मतदाता कें अहि बेर किछु विशेष परेशानी कें सामना करय पडि़ सकैत छन्हि कारण पंचायत चुनावमे विभिन्न पदक लेल भय रहल चुनावमे इवीएम मशीन सं चुनाव नहि कराओल जा सकैत अछि ताहि लेल एक बेर फेर सं आम मतदाता वैलेट पेपरक सहारा लेताह।
    चुनाव पूर्व कैल गेल सुरक्षा इंतजाम सं एक दिस राज्य निर्वाचन आयोग संतुष्ट नजैर आबि रहला अछि त दोसर दिस चुनाव आयोगक दावा अछि जे सुरक्षाक सेहो अभूतपूर्व योगदान कैल जा चुकल अछि। राज्य चुनावक आयोगक मानी त अहि चुनावक लेल चाइर स्तरीय सुरक्षाक व्यवस्था कैल गेल अछि आ कोनो प्रकारक गड़बड़ी सं निपटवाक लेल चुनाव आयोग आ प्रशासन तैयार अछि। पहिल चरणक लेल 50 हजरा सं अधिक सुरक्षा बलक तैनाती करवाक बाद राज्य चुनाव आयो बता रहला अछि।
    38 जिलाक 60 गोट प्रखंडमे होइवला चुनावक लेल जिला परिषदक 124, पंचायत समिति 1247, मुखिया और सरपंच 906, पंच आ पंचायत सदस्यक 12371 पदक लेल मतदान हैत। पहिल चरणमे 12 हजार 568 बूथ पर मतदान कैल जायत।