मुजफ्फरपुर के एसकेजे लॉ कॉलेज मे छात्र व अध्यापक के बीच धक्का-मुक्की

    0
    280

    मुजफ्फरपुर, मिथिला मिरर: श्रीकृष्ण जुबली लॉ कॉलेज मे फीस वृद्धि मे कमी नहि हेबा सं आक्रोशित छात्र जमिकय हंगामा केलक। प्रदर्शन व नारेबाजी कॉलेज परिसर के बाहर करबाक अध्यापकक निर्देश पर तमसायल छात्र धक्का-मुक्की केलक। प्राचार्य आंदोलन के लेल सेंट-अप छात्र के दोषी ठहरौलनि।

    ज्ञात हो कि लॉ परीक्षा 25 जनवरी सं होबय वला अछि। अहि के लेल प्रवेश पत्रक वितरण कॉलेज मे शुरू भय गेल अछि। अहि दौरान प्रवेश पत्र वितरण रोकबक लेल हंगामा शुरू कायल गेल। छात्रक कहब छल जे, पहिने फीस वृद्धि पर कॉलेज प्रशासन अपन निर्णय सुनाबौ अहि के बाद कॉलेज कार्यालय मे कामकाज  शुरू होयत।

    कार्यालय स प्रवेश पत्र के बटबारा रोकि कय हंगामा-नारेबाजी शुरू कायल गेल। एम्हर, अध्यापक सेहो तमसायत कहलनि जे, हंगामा करबाक अछि त, कॉलेज परिसर के बाहर जाकय करू। अहिके बाद दूनू पक्ष मे झड़प होबय लागल।