बीडीओ द्वारा स्कूलक औचक निरिक्षण, प्रधानाध्यापककें फटकार

    0
    297

    सीतामढ़ी, मिथिला मिरर: बीआरसी केंद्र सं महज एक किलोमीटरकें दूरी पर स्थित चैनपुर प्राथमिक विद्यालयकें औचक निरीक्षण करबाक लेल पहुंचलाह बीडीओ सुमन सिंह पढ़ाईके समय स्कूलमे बच्चाकें खेलाइत देखि तमसा गेलाह। निरीक्षणके दौरान बीडीओकें मध्याह्न भोजन व भवन निर्माण कार्यमे बहुतो तरहक गड़बड़ी भेटलनि।

    विद्यालयके 14 मे 12 टा कमरमे ताला लटकल छल। दू कक्षामे एकटा खाली व दोसरमे बच्चा खेला रहल छल। विद्यालयकें व्यवस्था देखि बीडीओ नाराजगी व्यक्त करैत प्रधानाध्यापक निशा कुमारी सं छात्रक उपस्थिति पंजी मंगलाह। जांचमे नामांकित 185 बच्चामे 56 कें हाजिरी बनल छल। जहन कि विद्यालयमे मात्र 20 टा बच्चा उपस्थित पाओल गेल।

    विद्यालयमे चारू कात गंदगीक अंबार देखि बीडीओ फटकार लगौलनि। मध्याह्न भोजनक नाम पर मात्र भात आ सब्जी बनल छल। मध्याह्न भोजन पंजी व स्टॉक रजिस्टरक पता नहि छल। मध्याह्न भोजन किचनमे व्यावसायिक रसोई गैसके बदले घरेलू एलपीजी सिलेंडरक प्रयोग कएल जा रहल छल। रसोइया बीडीओकें कहलनि जे, किछु दिन सं विद्यालयमे भोजन बनि रहल अछि। किंतु मेनूक अनुसार नहि।