दैनिक सफाईकर्मी केलक मुजफ्फरपुरमे बवाल

    0
    245

    मुजफ्फरपुर, मिथिला मिरर: दैनिक पारिश्रमिकमे 50 रुपैयाक वृद्धिक मांगकें लए सफाई मजदूर शनिदिन भोरमे करीब आठ बजे सं दुपहर एक बजे धरि शहरक सड़क पर जमिकय हंगामा केलक। प्रदर्शनकारी ने सिर्फ शहरक सफाई काजकें ठप केलक, बल्कि जमा कूड़ाकें सड़क पर पसारि देलक। एतबहि नहि सरैयागंज टावर चौक पर टायर जराकय विरोध प्रदर्शन सेहो केलक।

    कनि कालक लेल आवागमन ठप कय देल गेल। गोला रोडमे दोकानदारक संग मारिपीटक घटना सेहो कएल गेल। अहि हरकत सं सड़क पर अफरातफरी मचि गेल। अहिकें बाद जिलाधिकारीकें संज्ञान लेबय पड़ल।

    जिलाधिकारी एसडीओ पूर्वी एवं टाउन डीएसपीकें निगम कार्यालय पहुंच आदोलनकारी सं बातचीत करबाक लेल पठौलनि। बादमे महापौर वर्षा सिंह, नगर आयुक्त रमेश प्रसाद रंजन, एसडीओ पूर्वी सुनील कुमार आ टाउन डीएसपी आशीष आनंदक संग सफाईकर्मीक वार्ता भेल। महापौर आंदोलनकारीक मांग पूरा करबाक आश्वासन देलनि।