पचास लाखक शराब बरामद, मधुबनी आ मुजफ्फरपुर मे सप्लाई करबाक छल योजना

    0
    311

    मुजफ्फरपुर, मिथिला मिरर: सदर थाना क्षेत्र के पताही मे पुलिस गस्ती के दौरान भारी मात्रा मे शराबक खेप पकड़बाक बात प्रकाश मे आयल अछि। बताओल जा अछि जे, शराबक ई खेप ट्रक पर साईकिल के स्पेयर पार्ट्स मे नुकाकय आनल जा रहल छल। ट्रक चालक के अनुसार शराब की डिलीवरी थाना क्षेत्र के पताही आ मधुबनी के किछु इलाका मे करबाक योजना छल।

    ज्ञात हो कि शराबक अहि खेप्प मे लगभग 2232 लीटर शराबक कीमत 50 लाख रुपैया आंकल जा रहल अछि। गुप्त सूचनाक आधार पर पुलिसक एकटा दल राति के करीब 9 बजे गस्ती पर निकलल आ राति के करीब 1:30 बजे अहि मामला के पर्दाफाश करबा मे सफल भेल। पुलिस ट्रक चालक के गिरफ्तार कय लेलक अछि।