गंगा कटान स लोक परेशान, पलायन करबाक लेल मजबूर

    0
    570
    बक्सरक मझरिया गाम  मे गंगा मे कटाव हेबाक कारने लोक दहशत मे आबि जेल छथि। गंगा मे बनाउल गेल स्पर सेहो कटान मे गायब भय गेल। सूत्रक अनुसार गंगाक धारा मे किसानक लगभग पांच हजार एकड़ उपजाऊ खेत पिछला दस साल मे नष्ट भय चुकल अछि।
    गामक लोक के मानि त ओ अहि विषय मे आलाधिकारी के जानकारी देलनि मुदा अहि स कोनो फायदा नहि भेल। कियाक त अधिकारी मौकाक जायजा लेबाक लेल नहि पहुचला। लगातार भय रहल कटानक वजह स परेशान लोक आब सुरक्षित स्थानक खोज मे निकलि रहल छथि।