अबुधाबी मे मुजफ्फरपुरक व्यक्तिक मौत, 18 दिन बादो धरि भारत नहि पहुँचल लहास

    0
    277

    मुजफ्फरपुर, मिथिला मिरर: अबुधाबी मे मुजफ्फरपुर जिलाक रहनिहार एकटा ऐसी मिस्त्रीक मौत भय गेल, मुदा पिछला 18 दिन स हुनकर लहास भारत नहि आबि पाओल। सरैय्या प्रखंडक चकना गांव के रहय बला लाल बहादुर साहक मौत एकटा बिल्डिंग स खसलाक कारने भेलनि।

    एसी मिस्त्री के रूप में पिछला 16 साल स लाल बहादुर साह अबुधाबी मे काज कय रहल छल। सूत्रक अनुसार लाल बहादुर अल हसम जेनरल कन्ट्रेकिंग एसोसियेट्स नामक कंपनी मे काज कय रहल छल।लाल बहादुरक परिवार बतौलनि जे, कंपनी परिवार बला के लाल बहादुरक मौतक खबरि तक नहि देलक।

    परिवारक लोक के मृतकक संगी अहि घटना के चार दिन बाद जानकारी देलनि। परिवारक लोक अबुधाबी स्थित कंपनी के प्रबंधक स बात केलनि मुदा कंपनी लहास के सुरक्षित रखबाक बात कहि रहल अछि मुदा लहास के वापस भेजबाक बात स पल्ला झाड़ि रहल अछि।

    सूत्रक अनुसार जिलाध्यक्ष के आवेदन दय मृतक लाल बहादुर साह के लहास भारत अनेबाक आ कंपनी स मुआवजा दियेबाक मांग कायल गेल अछि।