कटिहार मे पांच क्विंटल गांजाक संग पकड़ल गेल तस्कर

    0
    263

    कटिहार, मिथिला मिरर: बिहारक कटिहार मे पुलिस के गांजा तस्करक खिलाफ बहुत पैघ सफलता हाथ लगलनि। कटिहार जिलाक कुर्सेला थाना क्षेत्रक कुर्सेला फारबिसगंज स्टेट हाइवे 77 के निकट महेशपुर गांव स पुलिस गांजा के बहुत पैघ खेप बरामद केलक अछि।

    गुप्त सूचनाक आधार पर पुलिस एकटा घर मे छापा मारलक, जाहि स 20 बोरा मे लगभग 5 क्विंटल गांजा जब्त कायल गेल। अहि क्रम मे पुलिस दू टा मोटरसाइकिल सेहो जब्त केलक। पुलिसक अहि कार्रवाई के दौरान एकटा युवक के सेहो गिरफ्तार कायल गेल।

    पकड़ल गेल आरोपी के कहब छन्हि जे, गांजाक अहि तस्करी मे हुनकर कोनो लेन-देन नहि छन्हि। महज एक हजार रुपैयाक लालच दय कय हुनका एतय आनल गेल छल। एक संग पांच क्विंटल गांजा के बरामदगी के बाद पुलिस कोनो पैघ गिरोहक संलिप्तताक कयास लगा रहल अछि। फिलहाल पुलिस मामलाक जांच करबा मे जुटल अछि।