मधुबनीमे दिल्लीक निर्भया सन घटना, दुष्कर्मक बाद चाकू माइर केलक घायल

    0
    338

    दिल्ली-मिथिला मिररः बिहारमे अपराध दिन-प्रतिदिन बढ़ल जा रहल छैक आ अहि पर राजनीति सेहो जोर-शोर सं शुरू भय गेल अछि। एक दिस विपक्षी पार्टी एकरा मुद्दा बना रहल अछि त दोसर दिस सत्ता पक्षक नेता आ किछु तथाकथित ओहि पार्टीक चमचानुमा पत्रकार एकरा विपक्षी पार्टी द्वारा कथित रूप सं रचल जा रहल मुद्दाक संग-संग विपक्षी पार्टीक शासित राज्यमे अपराध सं तुलना सेहो कय रहला अछि। टटका घटना मधुबनी जिलाक पंडौल थाना क्षेत्रक अछि, जाहिठाम खारा गामक 18 वर्षीय बुचिया (काल्पिनिक नाम) संग दुष्कर्म कैल गेल। पीड़ित बेटी घरक काज सं अपना गाम सं मधुबनी गेल छल। मधुबनीमे काज संपन्न कऽ घर जेवाक लेल सवारीक प्रतिक्षा कय रहल बुचियाकें एकटा टैंपू चालक अपना तीन गोट दोस्तक संग अपहरण कऽ सुनसान जगह मे लय जा ओकरा संग दुष्कर्म केलक।
    हांलाकि, मिथिला मिररकें भेटल जानकारीक मुताबिक बुचिया संग सामूहिक दुष्कर्म कैल गेल आ ओतबे नहि दिल्लीक निभर्या घटना जेना दुष्कर्मक बाद पीड़िताक गुप्तांगमे चाकू भोइक देल गेल। घटनाक सत्यताकें जनवाक लेल मिथिला मिररक संपादक ललित नारायण झा मधुबनी के पुलिस कप्तान सं फोन पर बातचीत कैलनि। बातचीत मे एसपी कहला जे इ घटना तीन दिन पूर्व के अछि आ अहिमे सामूहिक दुष्कर्मक बात गलत अछि। पीड़िता संग दुष्कर्म कैल गेल छल आ ओकरा शरीर पर चाकू सं हमला हेवाक सेहो प्रमाण भेटल अछि। पीड़ित लड़कीक मेडिकल भय गेलकैक अछि आ हमरा लोकनिकें रिपोर्ट ऐवाक प्रतिक्षा अछि आ ओहिकें बाद अगिला कार्रवाई कैल जाएत।
    एसपी कहला जे मधुबनी पुलिस मामलाकें गंभीरता सं लैत आरोपी कें गिरफ्तार कऽ लेलक अछि आ ओकरा सख्त सं सख्त सजा दियैब पुलिसक प्राथमिता रहत। हालांकि एसपी बहुत रास बात सं अपन सहमती जता रहला अछि एहनमे कतौ ने कतौ कथित रूप सं एकटा प्रश्न उठैत अछि कि कहु मधुबनी पुलिस अपन किरकिरी हेवाक डर सं सामूहिक दुष्कर्मक बात सं त नहि मुकरि रहल अछि, आ कि गुप्तांगमे चाकू भोकब बला बातकें सार्वजनिक भेला सं पुलिसक विरूद्ध लोकक आक्रोशमे बढ़ौतरि हैत ओहि लेल। मामला चाहे जे हो लेकिन अहि घटनाक बाद एक बेर फेर सं बिहारमे अपराधी मस्त, शासन बेपरवाह आ आम जनता दहशत मे नजरि आबि रहल अछि।