अटलजीक किछु मनभावन लोक आ बात

0
452

दिल्ली, मिथिला मिरर : भारत रत्नसँ सम्मानित भारत देशक पूर्व प्रधानमंत्री अटल बिहारी वाजपेयी जीक जीवनक उद्देश्यकेँ बुझनाय सहज नहि। वाजपेयी एक ठाम लिखलनि जे हमर जीवनक उद्देश्य मात्र इ थिक जे जीवनकेँ सभ किरदार निष्ठापूर्वक निभा सकी आ भारतकेँ विश्वमे एकटा महान राष्ट्रके रूपमे प्रतिष्ठित होइत देख सकी। आगाँ  लिखैत छथि हमरा लेल सर्वाधिक प्रसन्नताक क्षण छल जखनि हम संयुक्त राष्ट्र महासभामे अपन मातृभाषा हिंदीमे भाषण देने रही, तहिना सर्वाधिक दुखद क्षण छल जहिया हमर जिनगीसँ  पिताक साया उठि गेल छल। अटलजीक किछु मनपसंद आ भरोसेमंद –

सबसँ भरोसेमंद मित्र: एल. के. आडवाणी, भैरो सिंह शेखावत, एन. एम. घटाटे, जसवंत सिंह, डा. मुकुंद मोदी।

हुनक प्रिय परिधान: धोती-कुर्ता

पसंदीदा स्थान : माउंट आबू मनाली आ अल्मोड़ा

रुचिगर भोजन: माछ, चाइनीज व्यंजन, खिचड़ी, खीर, मालपुआ इत्यादि।

प्रिय गायक आ वादक: भीमसेन जोशी (गायक), अमजद अली खान (सरोद वादक) आ हरि प्रसाद चौरसिया (बांसुरी वादक)।

पसंदीदा गीत: एस. डी. बर्मन कृत “ओरे मांझी” आ  लता/ मुकेश द्वारा गाओल गीत कभी-कभी मेरे दिल में तहिना पसंदीदा गायक : लता मंगेशकर, मुकेश आ मोहम्मद रफ़ी छलखिन।

हुनक आदर्श कवि छलखिन हिंदीमे सूर्यकांत त्रिपाठी निराला, बालकृष्ण शर्मा नवीन, जगन्नाथ प्रसाद मिलिंद आ उर्दूमे  फैज़ अहमद फैज़ तहिना सबसँ प्रियगर खेल हॉकी आ फुटबॉल छलनि।