नरेन्द्र मोदी’क मंत्रीमंडल मे बिहार सँ आठ गोट मंत्री लेलनि शपथ

0
26

मिथिला मिरर-दिल्लीः नरेन्द्र मोदी रविदिन साँझ सवा सात बजे तेसर बेर देशक प्रधानमंत्रीक रूप मे शपथ लेलनि। मोदीक शासनकाल मे ई पहिल बेर अछि जे केन्द्रीय स्तर पर भाजपा केँ स्पष्ट जनादेश नहि अछि आ ई सरकार एनडीएक सरकार अछि आ एहि मे सहियोगी सभक बहुमूल्य योगदान छैक। नरेन्द्र मोदीक तेसर कैबिनेट मे बिहार कोटा सँ आठ गोट सांसद मंत्रीक रूप मे शपथ लेलनि। गिरिराज सिंह भाजपा सँ राजीव रंजन उर्फ ललन सिंह जदयू कोटा सँ, चिराग पासवान लोजपा (रा.) आ जीतन राम माँझी हम सँ कैबिनेट मंत्रीक रूपमे शपथ लेलनि। नित्यानंद राय केँ फेर सँ मोदी कैबिनेट मे जगह देल गेलनि आ ओ भाजपा कोटा सँ राज्य मंत्रीक रूप मे शपथ लेलाह। बिहारक पूर्व मुख्यमंत्री भारतरत्न स्व. कर्पूरी ठाकुरक जेठ पुत्र आ राज्य सभा सांसद रामनाथ ठाकुर जदयू सँ राज्य सभा सांसद सतीश चंद्र दूबे आ राजभूषण निषाद भाजपा कोटा सँ राज्य मंत्रीक रूप मे शपथ लेलनि।
मिथिला क्षेत्र सँ ई सभ छथि सांसद
लोकसभा चुनाव 2024 मे जतय भाजपा केँ उत्तर प्रदेश, महाराष्ट्र आ पश्चिम बंगाल मे जबरदस्त पराजयक सामना करय पड़ल ओतहि बिहार मे एनडीए 30 सीट जितबा मे सफल रहल। भाजपा-जदयू 12-12, लोजपा (रा.) 5 आ हम 1 सीट जीतल। एहि कैबिनेट मे मिथिला क्षेत्र सँ गिरिराज सिंह, राजीव रंजन सिंह उर्फ ललन सिंह, चिराग पासवान, नित्यानंद राय, रामनाथ ठाकुर आ राजभूषण निषादक नाम शामिल अछि।
जातीय समीकरण
बिहारक आठ गोट मंत्री मे जातीय समीकरण सधबाक चेष्टा कयल गेल अछि।
1. गिरिराज सिंह (भूमिहार/सवर्ण)
2. राजीव रंजन उर्फ ललन सिंह (भूमिहार/सवर्ण)
3. जतीन राम माँझी (महादलित)
4. चिराग पासवान (महादलित)
5. रामनाथ ठाकुर (अत्यंत पिछड़ा)
6. नित्यानंद यादव (पिछड़ा)
7. राजभूष निषाद (अत्यंत पिछड़ा)
8. सतीश चंद्र दूबे (ब्राह्मण/सवर्ण)
मिथिलाक ब्राह्मण चेहरा केँ कयल गेल उपेक्षा
एनडीए केँ मिथिला सँ प्रचंड जनादेश भेटल आ एहिठाम सँ सभसँ सशक्त ब्राह्मण चेहराक रूप मे राज्य सभा सांसद आ मुख्यमंत्री नीतीश कुमारक सभ सँ नजदीकी संजय कुमार झा, दरभंगा सँ दू बेरक लोकसभा सांसद गोपाल जी ठाकुर आ सीतामढ़ी सँ एहि बेर विजय भेल जदयूक सांसद देवेश चंद्र ठाकुरक नाम शामिल अछि मुदा हिनका सभ केँ उपेक्षित कयल गेलनि।