दरभंगा, मिथिला मिरर-निशांत झा: बेंता स्थित होटल रामा रेसीडेंसी मे रविदिन दरभंगा जिलाक पेट्रोलियम डीलर एशोसियेशन के बैसक कायल गेल। अहि बैसक के अध्यक्षता जिलाध्यक्ष अशोक मित्तल केलनि। बैसक मे प्रभात कुमार सिंह विशेष अतिथि के रूप में उपस्थित छलाह।
बैसक मे आयल कंपनी एवं प्रशाशन स डीलर्स के होबय वला समस्या पर एकजूट हेबा पर जोर देल गेल।ई बैसक बहुत दिन बाद आयोजित कायल गेल छल। जकरा प्रत्येक महिना अयोजित करबा पर जोर देल गेल, ताकि सब संगठन अपन-अपन अनुभव बाँटी सकय। बैसक मे जिला सचिव संदीप राय, कोषाध्यक्ष संजीव ठाकुर, प्रदीप ठाकुर, राजकुमार झा सहित पचास सं अधिक पेट्रोलियम डीलर उपस्थित छलाह।