मधुबनी मे बॉल चोरेबाक आरोप लगा नाबालिग के खूंट्टा सं बान्हि कय पीटल

    0
    284

    मधुबनी, मिथिला मिरर: मधुबनीक पोखरौनी गाम मे बुधदिन बल्ब चोरीक आरोप लगा 16 सालक किशोर के खूंट्टा सं बान्हि पीट-पीट कय अधमरा कय देल गेल। पिटाई होईत देख जहन परिजन बचेबाक लेल आयल त, लोक सब वृद्ध महिला सहित लड़काक पिता के संग मारिपीट केलक। लड़का के इलाजक लेल बेनीपट्टी पीएचसी पठा देल गेल।

    जानकारी के अनुसार पोखरौनी गाम निवासी चुल्हाई कामत के 16 वर्षीय पुत्र बिट्टू कुमार के गांवक श्याम किशोर राय उर्फ लोहा सिंह जबरदस्ती पकड़ि कय पहिने हाथ-पांव बान्हि देलक, बाद मे खूंट्टा स बान्हि देलक आ लाठी स पिटाई केलक।
    लोहा सिंह बिट्टू पर दोकान सं बल्ब छोड़बाक तथा माँछ मारबाक आरोप लगेलक अछि। बिट्टू के पीटबाक जानकारी परिवारक लोक के भेटल त पिता चुल्हाई कामत तथा दादी मरनी देवी मौका पर पहुंचल। मुदा ओतय जुटल भीड़ किशोरक परिजन संग सेहो मारिपीट करय लागल।
    फोटो: काल्पनिक