कुहेसक कारने 19 दिसंबर सं जीवछ लिंक एक्सप्रेस रद्द, बहुतो रेल प्रभावित

    0
    259
    दरभंगा, मिथिला मिरर: कुहेसक कारने अस्त-व्यस्त रेल परिचालन के ठीक करबाक लेल तथा यात्री’क समस्या के कम करबाक नजरि सं पूर्व मध्य रेल मुख्यालय परिचालन के लेल एकटा अहम फैसला केलक अछि। अहि के तहत दरभंगा सं खुजय वला तथा दरभंगा होइत जाय वला बहुतो गाड़ीक परिचालन मे आंशिक संसोधन कायल गेल अछि।
    एतय सं खुजय वला एकटा ट्रेन के जतय पूर्ण रुपे रद्द घोषित कय देल गेल अछि, ओतहि पैघ दूरीक दू गोट ट्रेनक आशिंक रूप सं रद्द रखबाक घोषणा कायल गेल अछि। ई निर्देश आगामी 17 दिसम्बर सं प्रभावी भय जाय तथा 15 जनवरी तक प्रभावी रहत।
    पूर्व मध्य रेल के मुख्य जनसंपर्क पदाधिकारी अरविंद कुमार रजक के अनुसार यात्रीक सुरक्षा एवं संरक्षित रेल परिचालन के सुनिश्चित करबाक लेल रेल मुख्यालय ई निर्णय लेलक अछि। दरभंगा सं डिब्रूगढ़ जाय वला 25910 जीवछ लिंक एक्सप्रेस आगामी 19 दिसंबर स रद्द रहत। 15 जनवरी 2017 तक एकर परिचालन एतय सं नहि होयत। ओतहि डिब्रूगढ़ सं एकर परिचालन आगामी 17 दिसंबर सं नहि होयत।