बिहार मे स्टूडेंट क्रेडिट कार्ड योजना मंजूर, विद्यार्थी के सरकारी गारंटी पर भेटत लोन

    0
    274

    पटना, मिथिला मिरर: बिहार मे विद्यार्थी के लोन भेटबाक रास्ता साफ भय गेल। बुधदिन राज्य स्तरीय बैंकर्स समिति के बैठक मे स्टूडेंट क्रेडिट कार्ड योजना के मंजूरी दय देल गेल। योजना के तहत उच्च शिक्षा के लेल 12वीं’क विद्यार्थी के चारि लाख रुपैया लोन भेटत।

    एसएलबीसी के 57वीं बैठक मे अहि योजना के सर्वसम्मति स पारित कायल गेल। ई योजना बिहारक मुख्यमंत्री नीतीश कुमार के सात निश्चय मे स एक अछि। लोन के दायरा मे संस्थानक फीस, रहबाक, खेबाक आ पाठय सामग्रीक खर्च शामिल अछि। अहि योजना मे बैंक के लोन आ ब्याज दूनू राशि के गारंटी राज्य सरकार देत।

    लोन पर करीब 10 फीसदीक ब्याज लगबाक बात कहल जा रहल अछि। जल्दिये राज्य कैबिनेटक स्वीकृति अहि पर लागि जायत। योजना अहि बरख 2 अक्टूबर स लागू भय जायत। पहिल साल पांच लाख विद्यार्थी के लोन देबाक लक्ष्य राखल गेल अछि। तकरा बाद सब साल एक लाखक लक्ष्य बढ़त।हालांकि अहि सं अधिक विद्यार्थी के सेहो लोन भेटि सकैत अछि।