चारि बच्चाक माँ प्रेमी संग मिलकऽ कयलक पतिक पीट-पीट कऽ हत्या

0
163

मिथिला मिररः सुनबा मे अजगुत लागत मुदा ई सत्य अछि। दरभंगा जिलाक सिमरी थाना अंतर्गत कमरौली गांव सँ जे घटना सामने आबि रहल अछि ओ सुनि अपने सभकेँ छगुन्ता लागब स्वभाविक अछि। एहि गाम मे एकटा चारि बच्चा माय अपन प्रेमी संग मिल अपना पतिक इंटा-पाथर सँ पीट-पीट कऽ हत्या कऽ देलक। जखन ई घटनाक्रम चलि रहल छल ओहि समय किछु ग्रामीण द्वारा एहि घटनाक वीडियो बना सेहो सोशल मीडिया पर वायरल करबाक खबरि मीडिया सँ भेंट रहल अछि। हालांकि जखन किराना दुकानदार राम कुमार साह (40) केँ मारल-पीटल जा रहल छल तखन हुनकर माय हुनका बचेबाक पूर्ण कोशिश करैत ओहि वीडियो मे देखल जा रहल छथि मुदा हुनकर जान नहि बचायल जा सकल।
घटनाक बाद पूरा इलाका मे सनसनी पसरि गेल। घटनाक बाद पुलिस स्थानीय लोकक मदद सँ मृतकक पत्नी आ हुनक प्रेमी केँ पकड़ि जेल पठा देलक, संगहि लाशकेँ अपना कब्जा मे लय पोस्टमार्टम लेल अस्पताल पठा देलक। पुलिसक मानी तँ मृतक राम कुमार साह पत्नी जीविका दीदी छथि आ हुनक नाम देवी छनि जखन की हुनकर प्रेमी कुंदन लाल दास (30) रेलवे मे नौकरी करैत छथि आ दरभंगा रेलवे स्टेशन पर पोस्टेड छथि।
घटनाक बाद इलाका मे सभकेँ एहि बातक छगुन्ता लागल अछि जे कोना चारि बच्चाक माय सरेआम अपना पति केँ प्रेमीक संग पीट-पीट कऽ मारि सकैत अछि। लोकक कहब इहो छैक जे जा धरि उक्त व्यक्तिक मृत्यु नहि भऽ जायत छनि ता धरि हुनका मारल-पीटल जायत रहल।