दरभंगामे नीतीश-लालूकें पुतला जरेलाक भाजपा

    0
    269

    दरभंगा, मिथिला मिरर: प्रदेश भाजपा कार्यालय पर हमला सं आक्रोशित भाजपा कार्यकर्ता बृहस्पति दिन साँझमे मुख्यमंत्री नीतीश कुमार आ राजद सुप्रीमो लालू प्रसादक पुतला दहन केलक। लहेरियासराय टावर पर पार्टीक जिलाध्यक्ष हरि सहनीक नेतृत्वमे पुतला दहनके बाद भेल सभाकें संबोधित करैत वक्ता उक्त घटनाकें लए राज्य सरकार पर हमला केलक।

    वक्ता सब कहलनि जे, मुख्यमंत्रीमे यदि नैतिकता होइन त दुनूकें पद सं हटाकए कानूनी कार्रवाई करथि। छापेमारी सं बौखला कए राजद अध्यक्ष भाजपा कार्यालय पर गुंडा सं हमला करेलनि अछि। हमलावरकें राज्य सरकार आ पुलिसक संरक्षण प्राप्त अछि। भाजपा कार्यालय पर हमला लोकतंत्रक लेल खतरनाक संकेत अछि।

    सूबेमे आतंक व गुंडाराजक तस्वीर सामने आबि चुकल अछि। पार्टी नेता कहलनि जे, लोकतंत्रक हत्याकें लए भाजपा कार्यकर्ता चुपचाप नहि बैसत। मौका पर जिला उपाध्यक्ष अशोक नायक, रामचंद्र प्रसाद, जिला मीडिया प्रभारी अमलेश कुमार झा, प्रमोद शरण साहु, राजेश रंजन, रामाशंकर ठाकुर, मुकुंद चौधरी, ज्योतिकृष्ण झा लवली, संतोष पासवान समेत बहुतो पार्टी नेता मौजूद छल।