सड़क पर लागल स्ट्रीट लाइट खराब भेला सं लोक परेशान

    0
    292

    समस्तीपुर, मिथिला मिरर: शहरक विभिन्न सड़क पर लागल स्ट्रीट लाइट खराब भए गेल अछि, जाहि सं साँझ पड़ितहि सड़क पर अन्हार पसरि जाइत अछि। हालहिमे लाखों खर्च कए शहरक मुख्य सड़क पर स्ट्रीट लाइट लगाओल गेल छल। शहरक एसडीओ कार्यालय सं मोहनपुर तक मुख्य मार्गक बीचमे बनल डिवाइडर पर सीरिजमे स्ट्रीट लगाओल गेल छल। अहि सं सड़क पर चलए वला सबकें सुविधा होइत छल। 

    अहि सड़क पर सदर अस्पताल हेबाक कारण भरि राति लोकक आबाजाही लागल रहैत अछि। रेडक्रास भवन, समाहरणालय सहित सब प्रमुख सरकारी कार्यालय तथा ऑफिसर्स कॉलोनी सेहो एतहि अछि। लाइट खराब भेलाक कारण पुलिस द्वारा सुरक्षाकें मद्देनजर लगाओल गेल सीसी कैमरा सेहो काज नहि करैत अछि।

    लाइट नहि रहला सं सब सं अधिक परेशानी रातिमे लोककें स्ट्रीट डॉग सं रहैत अछि। जिला अतिथि गृह तथा बारह पत्थर मोड़ पर आवारा कुकुरक जमावड़ा लागल रहैत अछि। साँझक बाद एतए सं चलए वला लोक पर कुकरक हुजूम झपट्टा मारैत अछि।