प्रधानमंत्री कहलनि छैठ पूजा दैत अछि सामाजिक संदेश

    0
    264

    दिल्ली, मिथिला मिरर: प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदी दिवाली के अवसर पर रविदिन छैठ पर्वक महत्व के दर्शाबैत कहलनि जे, ई एकमात्र पर्व अछि, जाहि मे लोक अस्त होइत सूर्यक पूजा करैत अछि। ओ कहलनि जे, छैठ पूर्व भारत के बहुत पैघ त्योहार अछि आ ई पूरा उत्साहक संग मनाओल जाइत अछि। ई चारि दिन धरि चलैत अछि।

    प्रधानमंत्री अप्पन हर महीना होबय वला रेडियो कार्यक्रम ‘मोनक बात’ मे कहलनि जे, दुनिया भरि मे लोक उगैत सूर्यक पूजा करैत अछि, मुदा छैठ एकमात्र त्योहार अछि जाहि मे लोक अस्त होईत सूर्यक अराधना करैत अछि, जे एकटा बड़ पैघ सामाजिक संदेश दैत अछि।

    छैठ पूजा सूर्यक धन्यवाद देबाक लेल कायल जाइत अछि। जिनका ऊर्जाक भगवान मानल जाइत अछि। सूर्यक पूजा स्वास्थ्य, समृद्धि आ प्रगति के लेल कायल जाइत अछि।

    छैठ पूजा नदी, पोखैर, आ दोसर जलस्रोतक किनार मे आयोजित कायल जायत अछि, अहि दौरान देश भरि मे काज करय वला पूरबी राज्यक लोक अप्पन घर पहुंच कय पूजा मे भाग लैत अछि।