जेलमे शहाबुद्दीन और अब्दुल गफ्फूरक मुलाकातक तस्वीर बनल राजदेवक मौतक कारणः सूत्र

    0
    388

    दिल्ली-मिथिला मिररः राष्ट्रीय हिन्दी दैनिक हिन्दुस्तानक सीवान ब्यूरो प्रमुख राजदेव रंजनक हत्याक मुख्य वजह पूर्व बाहुबली सांसद और राजदक राष्ट्रीय टीमक हिस्सा मो. शहाबुद्दीन आ नीतीश सरकारक मंत्री अब्दुल गफ्फूरक जेलमे भेल गोपनीय मुलाकातक जे तस्वीर बाहर आएल ओकरा मानल जा रहल अछि। मिथिला मिरर कें सूत्र सं भेट रहल जानकरीक मुताबिक जेलक जे तस्वीर बाहर आएल छल ओकरा निर्भिक पत्रकार राजदेव रंजन सब सं पहिने सार्वजनकि केले छलाह।
    अहि तस्वीरकें सोंझा ऐलाक बाद बिहार सरकार आ सीवान जेल पर बहुत गंभीर सवाल उठाओल गेल छल। अहि घटना सं नराज शहाबुद्दीनक टॉप निशान पर रहल राजदेव रंजनक किछु दिन पूर्व गोली माइर कऽ हत्या क देल गेल छल। हालांकि जेल सं जाहि तरहक कथित नेवटर्वकक संचालन शहाबुद्दीन द्वारा कैल जा रहल छल ओहि लिस्टमे राजदेव रंजन पहिने सं शीर्ष पर रहैत।
    बुधदिन सीवान जेल पर मारल गेल छापाक बाद 8 गोट मोबाइलक, 2 टा चाकू सहित अन्य तरहक समान कें हिरासत मे लेल गेल। संगहि शहाबुद्दीन सं भेंट करय लेल आएल 50 गोट व्यक्ति जाहिमे सीवानक उप-मेयर कें पुलिस हिरासतमे लेकक। हालांकि बुधदिन भेल छापामारीक बाद सरकार शहाबुद्दीनकें सीवान सं भागलपुर जेल मे शिफ्ट कय देलक अछि। अपने कें बता दी जे राज्यमे लालूक संग नीतीशक सरकार कें ऐलाक बाद मोहम्मद शहाबुद्दीनकें भागलपुर जेल सं सीवान जेलमे शिफ्ट कैल गेल छल।