नोटबंदी पर फूटल ग्रामीणक गुस्सा, रुपैया नहि भेटला पर बैंक मे लगौलक ताला

    0
    244

    सहरसा, मिथिला मिरर: प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदीक नोटबंदी करबाक फैसला के 15 दिन बादो लोकक परेशानी काम हेबाक नाम नहि लय रहल अछि। लोक एखनहु धरि कैशक किल्लत स परेशान देखा रहल अछि। अहि समस्या सं जूझि रहल आक्रोशित बैंक ग्राहक एकटा बैंकक मुख्य गेट मे ताला लगा देलक आ हंगामा मचा देलक।

    ई घटना सहरसाक बनमा इटहरी प्रखंडक अछि, जतय तेलिया हाट बाजार स्थित उत्तर बिहार ग्रामीण बैंकक तेलिया हाट शाखा के मुख्य गेट मे ग्राहक ताला मारि देलक। ई स्थिति कैशक किल्लत स उत्पन्न भेल अछि। बैंक मे ताला लगेबाक कारण बैंककर्मी घंटो बैंकक अंदर बंधक बनल रहल।

    अहि बातक सूचना पर पहुंचल शाखा प्रबंधक अहि मामलाक जायजा लेलनि, जाहि के बाद आक्रोशित बैंक ग्राहक के समझा-बुझाकय शांत कराओल जा सकल।