राष्ट्रपति प्रणब मुखर्जी’क बिहारक दू दिवसीय दौरा स्थगित

    0
    263

    दिल्ली, मिथिला मिरर: राष्ट्रपति प्रणब मुखर्जीक बिहारक दू दिवसिय यात्रा स्थगित भय गेल अछि। कोनो अपरिहार्य कारण स महामहिम के दौरा रद्द कायल गेल अछि। जानकारीक अनुसार आब राष्ट्रपति अगिला साल फरवरी/ मार्च मे बिहारक दौरा करताह।

    गौरतलब अछि जे, राष्ट्रपति प्रणब मुखर्जीक 26 नवंबर क भागलपुर पहुंचबाक कार्यक्रम छल, मुदा फिलहाल अहि यात्रा के स्थगित कय देल गेल अछि।

    महामहिम के भागलपुर आ  बांका जिला मे अलग-अलग कार्यक्रम मे हिस्सा लेबाक कार्यक्रम छल। राष्ट्रपति के भागलपुर मे रात्रि विश्रामक बाद 27 नवबंर क विक्रमशिला विश्विद्यालय मे आयोजित कार्यक्रम मे भाग लेबाक कार्यक्रम छल।