दू दिनक कमला यात्रा पर 26 आ 27 तारीख कऽ रहता जल संसाधन मंत्री संजय कुमार झा

0
195

मिथिला मिररः बिहारक जल संसाधन सह सूचना एवं जनसंपर्क मंत्री संजय कुमार झा आगामी 26 आ 27 अक्टूबर कऽ कमला यात्रा पर रहता। एहि यात्राक शुभारंभ 26 अक्टूबर कऽ मधुबनी जिलाक बाबूबरही प्रखंडक ऐतिहासिक पिपराघाट सँ शुरू हैत जखन कि एकर समापन मधुबनी सँ दरभंगा जिला होइत समस्तीपुर जिलाक फुहिया मे जा संपन्न हैत। ई यात्रा विभिन्न पड़ाव होइत अपन गणतव्य धरि पहुँचत। पिपराघाट सँ शुरू भऽ ई यात्रा क्वारपट्टी, समिया ढलान, रही टोल, कैथवार, ठेंगहा, रसियारी, बाथ, कोठराम, केवटगामा होइत फुहिया धरि पहुँचत।
यात्राक की अछि उद्देश्य ?
अपने केँ जनतब हैत जे लगभग प्रत्येक बरख कमला मे बाढ़ि आएब आम बात छल आ ओहि सँ कमला नदीक दुनू छहर पर जगह-जगह कटान सँ जान-मालक व्यापक नुकसान होइत छल। हाजारों एकड़ खेती सभ साल बाढ़ि सँ प्रभावित होइत छल आ सरकारी राजस्वक सेहो भारी नुकसान होइत छलैक। एकटा बात लोकक बीच अत्यधिक प्रचलित छल जे जल संसाधन विभाग लूट-खसोट बला विभाग अछि आ एहिठाम जखन बाढ़ि अबैत छैक तँ विभागक अधिकारी सभक चाँदी भऽ जाइत छनि। एहन तरहक मिथक केँ तोड़बाक लेल मुख्यमंत्री नीतीश कुमार आ जल संसाधन मंत्री संजय कुमार झा चरणबद्ध तरीका सँ कमला नदीक दुनू छहरक ऊँचीकरण, सुदृढिकरण आ पक्कीकरण कार्यारम्भ पैछला बरख दिसंबर मे जयनगरक डीबी काॅलेज सँ कयने छलाह। पिपराघाट सँ ठेगहा धरि 40-40 किलोमीटर दुनू छहरक लेल 325.12 करोड़ टकाक राशि आबंटित कयल गेल छल। बाद मे एकर विस्तार ठेंगहा सँ रसियारी धरि कयल गेल आ एहि दूरीक लेल धनराशिक आवंटन सेहो अगल सँ कयल गेल अछि।
कतेक प्रगति पर अछि काज ?
पिपराघाट सँ ठेंगहा धरि दुनू छहरक ऊँचीकरण, सुदृढिकरणक काज लगभग संपन्न भऽ चुकल अछि आ आगूक काज प्रगति पर अछि। जाहि तरहेँ छहरक सुदृढिकरण कयल जा रहल अछि ओहि सँ ई प्रतीत भऽ रहल अछि जे जखन एहि छहरक पक्कीकरण हैत तखन आम लोक केँ एकटा उत्कृष्ट वैकल्पिक सड़क सेहो भेट जेतै। यात्रा सुगम भेलाक संग-संग छहर पर जखन व्यापक रूपेँ यातायातक परिचालन शुरू हैत तखन छहर मे मूष लागब आ शियार द्वारा बिल बना छहरकेँ नुकसान करबाक जे पुरान परंपरा छल ओ पूर्णरूपेँ बंद भऽ जायत। छहरक काते-काते व्यावसायक सेहो एकटा नमहर विक्लप बाट ताकि रहल अछि।
यात्राक पाछू कोन-कोन चीजक राखल गेल अछि ध्यान ?
एहि यात्रा मे बाढ़िक स्थायी निदानक परिकल्पना अछि कारण मिथिला आ बिहारक अधिकांश नदीक उद्गम स्थल नेपाल सँ अछि आ ओकरा कारणेँ दुनू कातक नदी केँ लिंक करैत बीचक नोमैंस लैंड बला नदी पर सेहो काज कयल जा रहल अछि। दुनू कातक नदीक लिंकिंग भेला सँ बाढ़िक जे भयावह स्थिति अछि ओहि सँ व्यापक रूपेँ निदान हैब संभव अछि। जल संसाधन विभाग, बिहार सरकार आब एहि बात पर विचार कऽ रहल अछि जे कमला मे उड़ाहीक लेल बालूक खननक प्रक्रिया आम लोकक लेल कम टका पर खोलल जाए जाहि सँ खनन माफियाक साम्राज्य समाप्त हैत आ आम लोक सहजता सँ बालूक प्रयोग कऽ सकता आ ओहि सँ सरकारक राजस्व मे सेहो वृद्धि हेतैक। एहि यात्रा मे जगह-जगह जनसंवाद कार्यक्रम राखल गेल अछि जाहि सँ आम लोकक जे समस्या छनि ओकरा सहजता सँ जानल जा सकैत अछि आ ओहि पर न्यायोचित कार्रवाइ सेहो हैत। छहरक रास्ता सँ ई यात्राक मुख्य उद्देश्य मे एकटा अहम बात इहो अछि जे एखन तक जे विभागीय काज भेल अछि ओकर गुणवत्ता की छैक सेहो मंत्री अपना आँखि सँ देखता आ ओहि मे जँ कोनो कमी रहत तकर निष्पादन सेहो कयल जायत। यहि यात्रा सँ क्षेत्र मे सिंचाइ व्यवस्था केँ कोना आओर बेहतर अनाओल जाए एहि पर विशेष ध्यान देल जा रहल अछि। गौरतलब अछि जे जल संसाधन सह सूचना एवं जनसंपर्क मंत्री एहि यात्रा मे हुनक विभाग सँ जुड़ल विभिन्न अधिकारी लोकनिक टीम सेहो संग रहतनि जाहि सँ आम लोक सँ जे बात निकलि कऽ आयत ओहि अमल होयबाक पूर्ण संभावना व्यक्त कयल जा रहल अछि।