दरभंगामे हड़ताली होमगार्ड’क जवान देलक धरना

    0
    274

    दरभंगा, मिथिला मिरर: मांगक लेल आंदोलनरत होमगार्डकें जवानक अनिश्चितकालीन हड़ताल पर गेला सं विधि व्यवस्था पर व्यापक असर पड़ल अछि। उक्त बात बृहस्पति दिन समाहरणालय धरना स्थल पर धरनाक अध्यक्षता कए रहल संघ’क जिलाध्यक्ष विष्णुदेव सिंह, सचिव दरोगा राय, कोषाध्यक्ष रामविलास यादव कहलनि। ओ कहलनि जे, सरकारक दोहरी नीतिकें कारण जिलाक 902 टा होमगार्डक जवान अनिश्चितकालीन हड़ताल पर अछि। सब जवान अप्पन रायफल आ गोली जमा कय देलक अछि।

    अहि सं बहुतो विधि व्यवस्था सहित सरकारी कार्यालयकें काज बाधित भेल अछि। हड़ताल पर जेबा सं ट्रैफिक, उत्पाद विभाग, संचार विभाग, संग्रहालय, डाक विभाग आदि कार्यालयकें स़ुरक्षा भगवान भरोसे अछि। जिला पुलिस वैकल्पिक व्यवस्था बनेबामे जुटल अछि। बिहार रक्षा वाहिनी स्वयंसेवक संघकें आह्वान पर समान काजक समान वेतन, पुलिसकर्मीक दिस सं सुविधा व सेवा नियमित करबाक मांगकें लए होमगार्ड जवान जमिकय नारेबाजी केलक।

    वक्ता सब कहलनि जे, सरकार द्वारा होमगार्ड जवानक संग सरकार सौतेला व्यवहार कय रहल अछि। जहन कि विधि-व्यवस्था संधारणमे होमगार्डक योगदान महत्वपूर्ण अछि। मौका पर दारोगा प्रसाद राय, मनोज कुमार सिंह, राम विलास यादव, वैद्यनाथ सिंह, जय किशोर यादव, मो. वसीम, श्यामलाल यादव, गंगा प्रसाद चौधरी, प्रेमलाल यादव सहित संघक बहुतो नेता सभाकें संबोधित केलनि।