मानसून सत्रक दौरान 13 गोट विधेयक पारित हेबाक लेल नीतीश देलनि धन्यबाद ज्ञापन

    0
    263

    पटना, मिथिला मिरर: बिहार विधानसभा मे वर्ष 2016-17 के लेल 16,859.98 करोड़ रुपैयाक प्रथम पूरक मांग आ बिहार विनियोग विधेयक 2016 के बुधदिन विपक्षक बहिर्गमन के बीच ध्वनि मत स पारित कायल गेल। बिहार विधानसभा मे बुधदिन 3657.52 करोड़ रुपैयाक पूरक मांग पर करीब तीन घंटा चर्चा भेल, अहि पर सरकार दिस स ग्रामीण विकास मंत्री श्रवण कुमार प्रश्नक जबाब देलनि।

    अहि दौरान छात्रवृत्तिक मांग के लय पटना मे प्रदर्शन करय बला छात्र पर पुलिस द्वारा कायल गेल लाठीचार्ज के विरोध करैत भाजपा आ अन्य विपक्षी सदस्यगण सदन मे आसन के आगू आबि कय सरकार के विरोध मे नारेबाजी करय लगलाह। शोरशराबाक बीच श्रवण अप्पन संबोधन जारी राखैत केंद्र सरकार पर हमला केलनि। ओ कहलनि जे, केंद्र सरकार समाज कल्याण स जुड़ल योजनाक राशि के अनुपात 75:25 स घटा कय 60:40 कय देलक, जाहि स विकास मे बाधा उत्पन्न भय रहल अछि। ओ कहलनि जे, मनरेगा, इंदिरा आवास योजना आ शौचालय योजनाक राशि मे केंद्र द्वारा कमी कायल गेल, बावजूद एकर बिहार राज्य सरकार योजना के कार्यान्वित करबाक लेल प्रतिबद्ध अछि।

    अध्यक्ष द्वारा बाद मे बिहार विनियोग विधेयक 2016 के सदस्यक बीच चर्चाक लेल अनबाक बाद सरकार दिस स जवाब दैत वित्त मंत्री अब्दुल बारी सिद्दीकी प्रतिपक्ष के नेता प्रेम कुमार पर सदनक कार्यवाही मे व्यवधान डालबाक आरोप लगौलनि आ कहलनि जे, प्रेम कुमार के जनहित स जुड़ल अहि बहस मे हिस्सा लेबाक चाही।

    अंत मे सदनक कार्यवाही के समापन पर मुख्यमंत्री नीतीश कुमार अपन संक्षिप्त संबोधन मे सदन आ आसन द्वारा अल्पकालीन मानसून सत्रक दौरान 13 गोट विधेयक पारित करेबाक लेल धन्यबाद ज्ञापन देलनि।