दोसर बिहार राज्य सॉफ्ट टेनिस टूर्नामेंट 17 दिसंबर सं

    0
    321

    पटना, मिथिला मिरर: दोसर बिहार राज्य सॉफ्ट टेनिस प्रतियोगिताक आयोजन 17-18 दिसंबर धरि सासाराम के फजलगंज स्थित न्यू स्टेडियम मे आयोजित कायल जा रहल अछि।

    अमेच्योर सॉफ्ट टेनिस एसोसिएशन ऑफ बिहार के महासचिव धर्मवीर कुमार अहि जानकारी के पुष्टि करैत कहलनि जे, अहि चैंपियनशिप मे सीनियर पुरुष, महिला, जूनियर तथा सबजूनियर बालक, बालिका वर्ग मे एकल आ युगल इवेंट होयत। अहि के अलावा अहि मे टीम इवेंट सेहो होयत।