23 दिसंबर क’ इंदौरमे मनाओल जायत विशाल धर्मसभा सह विद्यापति पर्व समारोह

0
834

दिल्ली-मिथिला मिररः आगामी 23 दिसंबर रविदिन मध्य प्रदेशक इंदौर शहरमे विशाल धर्म सभा आओर विद्यापति पर्व समारोह मानाओल जा रहल अछि। ई दिन एहि लेल संपूर्ण मिथिलावासीक लेल महत्वपूर्ण अछि कारण जे मैथिल पुत्र मिथिला रत्न हमरा सभक गौरव महान विभूति गोवर्धन मठ पुरीक पीठाधीश्वर जगत गुरू शंकराचार्य श्री श्री 108 श्री निश्चलानंद सरस्वती जीक शंकराचार्य बनवाक रजत जयंती सेहो पूर्ण भ’ रहल छनि। एहि पावन अवसर पर विद्यापति परिषद इंदौर द्वारा भव्य धर्म सभा सह विद्यापति पर्व समारोहक आयोजन कएल जा रहल अछि। एहि पुनित अवसर पर जगतगुरू शंकराचार्य स्वयं धर्म सभामे उपस्थित भ’ अपन अमृतवाणीसँ सभकेँ आशीवार्दित करताह।

परिषदक अध्यक्ष हेमंत झा मिथिला मिररसँ कहलनि जे हमरासभ गुरूजीक आगमन हेतु जी जानसँ तैयारीमे लागत छी। गुरूजी स्वयं मैथिल पुत्र छथि आ हमरासभक लेल एहिसँ पैघ गौरव की भ’ सकैत अछि जे हुनका चरणक दास बनि धर्म सभामे गुरूजीक मुंखमंडलसँ अमृतवाणी सुनी। तहिना संस्था धर्म सभाक बाद भव्य विद्यापति स्मृति पर्व समारोहक आयोजन सेहो करय जा रहल अछि जाहिमे मैथिल समाजक अति विशिष्ट व्यक्ति लोकनिक पहुंचवाक उम्मीद अछि। हेमंत झा कहलनि जे सांस्कृतिक कार्यक्रम हेतु गायिका जूली झा, गायक रामकृष्ण झा, नितेश पाठक, गगन आनंद सहित कतेको स्थानीय कलाकर लोकनिक सहभागिता रहत।

संस्थाक सचिव साकेत आंनद मध्य प्रदेशक विभिन्न शहरमे रहि रहल मैथिलजनसँ एहि निवेदन करैत कहला जे एहि पावन अवसर पर समस्त मिथिलावासी एहि कार्यक्रमे पहुंची गुरूजीक शंकराचार्यक पदकेँ रजत जयंती समारोहक संग-संग बाबा विद्यापति समारोहमे भाग लेथि आ अपनाकेँ पुण्यक भागी बनाबथि। ई पूरा कार्यक्रम अलग-अलग भागमे मिथिला मिरर पर अपने लोकनिक लेल भेटत।

स्थान- एलआईसी ट्रेनिंग सेंटरक सामने आ पॉवर हाउसक नजदीक स्कीम नंबर 51, संगम नगर, इंदौर, मध्य प्रदेश

समय- बेरूपहर 1बजेसँ