‘आम आदमी’ शब्द हटेबाक आयोगक फैसला एकतरफा : आप

    0
    255

    दिल्ली, मिथिला मिरर: दिल्ली राज्य चुनाव आयोग द्वारा सरकारी योजना सं ‘आम आदमी’ शब्द हटेबाक फैसला पर आम आदमी पार्टी नाराजगी जतैक अछि। पार्टी आयोगकें पत्र लिखि कए अहि फैसलाकेँ एकतरफा फैसला बतेलक अछि। आप नेताक आरोप अछि जे, राजनितिक दलक नेताक आदेशक पालन कए आयोगक अधिकारी संविधानकें कुचलबाक प्रयास केलक अछि।

    पत्रमे लिखल गेल अछि जे, चुनाव आयोगक ई निर्देश आम आदमी पार्टीक प्रतिद्वंदी आ भाजपा विधायक विजेंद्र गुप्ताक लिखल पत्र पर देल गेल अछि। चुनाव आयोगक रूपमे एकटा संवैधानिक निकाय किछु राजनितिक ताकतक अधीनस्थ काज करैत अछि, जे, असंवैधानिक अछि।