मिथिलाक इतिहासमे पहिल बेर सामुहिक रूपसं पाग पहिर बाबाधाम जाइत कांवरिया

    0
    340

    दिल्ली-मिथिला मिररः मिथिलाक इतिहासमे इ पहिल बेर भए रहल अछि जे सामुहिक रूपसं मिथिलाक कांवरिया सब पाग पहिर सुल्तानगंज सं गंगाजल उठा बाबा बैजूक दरबार जा रहल छथि। चाहे ओ डाक बम होइथ आ कि गंगाजल बोइझ यात्रा करैत कांवरिया लोकनि। मिथिलालोक आ डाॅ. बीरबल झा केर अगुआईमे संक्लपित पाग बचाउ अभियानक मनमोहक दृश्य सुल्तानगंज मे देखल जा रहल अछि।
    कावर यात्राक शुभारंभमे बिहार सरकारमे मंत्री डाॅ. मदन मोहन झा आ अन्य मंत्रीगण श्रावणी मेलाक शुभारंभ करवाक समय मिथिलालोक आ मिथिलाक पाग पहिर अहि आंदोलनकें आओर बेसी प्रखर बना देलाह। सरकारी मंच भेलाक बादो डाॅ. मदन मोहन झा मिथिलाक अहि गौरवकें अपना माथ पर धारण कए पूर्ण मैथिल हेवाक संग-संग मिथिलाक संस्कृतिकें आगू बढ़ेवा दिस एकटा सार्थक कोशिश कैलिन।
    सुल्तानगंजमे बाबा अजगैवीक स्थानक सं जल बोझि जखन कांवरिया लोकनि मिथिलाक पाग पहिर बाबाक दरबार विदा भए रहला अछि त इ स्वतः बुझा जाइत अछि जे इ लोकनि मिथिला सं छथि। बाबा दरवार तक मैथिलक उपस्थिति ओहो अपन पहिचानक संग एकटा नव इतिहास त लिखिए रहल अछि एकरा बाद शासन प्रशासनक नजैरमे सेहो इ बात जा रहल अछि जे मैथिलजन आब अपन सभ्यता संस्कृतिकें संरक्षणक लेल जागि गेलाह अछि। कांवरियाक बीच मिथिलाक पाग बहुत बेसी लोकप्रिय भए रहल अछि आ एहनमे मिथिलालोकक समर्पित कार्यकर्ता लगातार सुल्तानगंजमे कांवरियाक सेवामे तत्पर्य छथि। त सब कहियौ बोल बम, पाग बम बोल, हर-हर महादेव!