संस्कृति संरक्षण हेतु प्रवासी चिंतित

    0
    370
    दिल्ली, मिथिला मिरर-मनीष झा बौआभाइ: रविदिन दिनांक-२४ जुलाई २०१६ क’ राष्ट्रीय राजधानी दिल्ली स्थित मावलंकर हॉलमे दीपक फाउन्डेशन आ विश्व मैथिल संघ केर संयुक्त तत्वावधनामे “संस्कृति एवं सभ्यता संरक्षण समारोह” कार्यक्रमक आयोजित कएल गेल. एहि कार्यक्रमकें सफल बनेबा लेल आमंत्रित अतिथि लोकनिमे राज्यसभा सांसद प्रभात झा, आरा सँ लोकसभा सांसद आ देशक पूर्व गृह सचिव आर.के.सिंह, हिन्दी फिल्म निर्देशक अभिनव कश्यप, असिस्टेंट कमिश्नर ऑफ़ इन्कम टैक्स रोहित देव झा आदिक गरिमामयी उपस्थिति रहल. कार्यक्रम अपन निर्धारित समय सायं ३:०० बजे स’ दू घंटा बिलम्ब मने ५:०० बजेक करीब प्रारम्भ भेल. दीप प्रज्ज्वलन एवं महाकवि विद्यापतिक छायाचित्र पर माल्यार्पण केर उपरान्त गोसाओंनिक गीत “जय-जय भैरवि” मैथिली गायक दिलीप दरभंगिया द्वारा गाओल गेल. ज्ञात हो कि उक्त फाउन्डेशन देशक विभिन्न हिस्सामे कला, साहित्य आ संस्कृति केर क्षेत्रमे कार्य करवाक लेल अग्रसर अछि तैं अन्यान्य क्षेत्रकें धेआनमे रखैत भाषा मैथिली,हिन्दी आ भोजपुरीक मिश्रण देखबामे आएल. मंच सञ्चालन केर जिम्मा देल गेल छलनि अर्चना भगवान जी मिश्रा आ भगवान जी मिश्रा (दम्पति) कें. श्रीमतीक सञ्चालन क्षमता अद्वितीय छलनि जहिना उच्चारण तहिना सुन्दर प्रस्तुति शैली मुदा श्रीमान स्वयं मंच सञ्चालनमे हरेक दृष्टिकोण स’ नवसिक्खू सन बुझना जाइत छलाह. संचालक महोदय आयोजन समितिक सदस्य रहितो कार्यक्रमक रूपरेखा स’ पूर्ण अनभिज्ञ छलाह आ से बात दर्शकक मनोस्थिति देखि सद्यः बुझना जाइत छल. कार्यक्रम भलेही हिन्दी भाषाक प्राथमिकता रखैत आयोजित कएल गेल छल मुदा थोपड़ीक गरगराहट पंचानबे प्रतिशत मैथिलत्वकें प्रमाणित करैत रहल.
    अतिथि सम्मान केर बाद किछु व्यक्ति विशेष केर सम्मान सेहो कएल गेला जाहिमे अखिल भारतीय मिथिला संघक अध्यक्ष विजय चन्द्र झा, भोजपुरी समाजसेवी कन्हैया सिंह, पत्रकार संजय चौधरी, विश्व मैथिल संघक संस्थापक हेमन्त झा आदि सेहो सम्मानित भेला. स्वागत भाषण फाउन्डेशन केर संस्थापक दीपक झा देलनि. अतिथि वक्तव्यमे पहिल आमंत्रण भेल युवा असिस्टेंट कमिश्नर ऑफ़ इन्कम टैक्स,दिल्लीक रोहित देव झा जे कि अपन मातृभाषा प्रति अनुराग देखबैत मैथिलीमे वक्तव्य देलनि. दोसर आमंत्रण छल फिल्म निर्देशक (दबंग) अभिनव कश्यपकें जे कि रोहित देवक मैथिली बजला स’ प्रभावित भ’ एकरा मंच पर मैथिली एकजुटताक राजनीतिक रंग मानलनि . तेसर आमंत्रण छल राज्यसभा सांसद प्रभात झाकें जेकि अपन वक्तव्यमे अभिनव कश्यपक आपत्ति आ भ्रमकें दूर करैत हिन्दीक संग-संग मैथिली वा अन्य मातृभाषाक अस्मिताक महत्त्व स’ अवगत करौलनि. चारिम आ अंतिम वक्तव्य छल लोकसभा सांसद आर.के.सिंह केर जे संस्कृति पर बड़ा शोधल आ सटीक गप्प-सप्प रखैत पाश्चात्यक तुलना अपन सुव्यवस्थित संस्कृतिकें सर्वोपरि कहैत विराम देलनि. सांस्कृतिक कार्यक्रम हेतु आमंत्रित कलाकार दिलीप दरभंगिया,सोनी झा,किशन कन्हैया,धीरज झा आ उद्घोषक छोटू कृष्णा आदि हिन्दी,मैथिली आ भोजपुरी मिश्रित भाषामे अपन नीक प्रस्तुति देबाक प्रयास केलनि आ एहि तरहें रात्रि ८:०० बजे धरि चलल ई कार्यक्रम गोट दस मात्र दर्शकक संग संपन्न भेल.