मोदी कैनिबेटक केहन रहत स्वरूप, बिहारक कोटा मे कतेक भेटत हिस्सेदारी ?

0
28

मिथिला मिरर-दिल्लीः नरेन्द्र मोदी तेसर बेर देशक प्रधानमंत्रीक रूप मे रविदिन सांझ मे शपथ लेताह। हालांकि एहि बेर भाजपा सरकार नहि एनडीएक सरकार अछि कारण भारतीय जनता पार्टी अपना दम पर पूर्ण बहुमत नहि आनि सकल। दरअसल सरकार गठबंधनक छैक तँ एहि बेर मंत्रीमंडलक विस्तार सँ लय मंत्रीक विभाग पर सेहो सर्वसम्मति हैब आवश्यक अछि। ई सर्वविदित छैक जे सरकार मे सभसँ पैघ घटक दल मे क्रमशः टीडीपी आ जदयू शामिल अछि ताहि लेल ई देखब आवश्यक भऽ जायत छैक जे बिहारक कोटा मे कतेक मंत्री पद अबैत अछि आ ओहो मे मिथिला क्षेत्र सँ किनका सभकेँ एहि मंत्रीमंडल मे जगह भेटैत छनि ?
सूत्रक मानी तँ भाजपा-जदयू’क सांसद बराबर-बराबर मंत्री मंत्रीमंडल मे शामिल हैत जखन कि लोजपा सँ चिराग पासवान आ हिन्दुस्तानी अवाम मोर्चाक अध्यक्ष जीतन राम मांझी सेहो मंत्री मंडल मे शामिल कयल जेताह ई पूरा संभावना अछि। अपने केँ बता दी जे 2014 मे 5 आ 2019 मे 6 गोट मंत्री बिहार कोटा सँ छल। एहि बेरक संख्या की हेतै से देखब आवश्यक रहत, कारण जे एहि सरकार केँ सुचारू रूपेँ पांच साल चलेबा मे बिहारक भूमिका निर्णायक अछि। बिहार मे अगिला बरख विधानसभाक चुनाव अछि आ इंडिया गठबंधन मे तेजस्वी यादव जाहि तरहक भूमिका निर्वाह कयलनि अदि ओ भाजपा-जदयूक लेल विधानसभा मे राजनीतिक रूपेँ सहज नहि होयबला बुझना जाए रहल अछि। मंत्री मंडलक स्वरूप जे हेतै मुदा एहि जातीय समीकरणक पूरा ध्यान राखल जायत ई निश्चित अछि।