मिथिलाक मिठासकें वापिस लेवाक लेल मीसूक ‘पीयर क्रांति’

    0
    275

    दरभंगा,मिथिला मिरर-सुजीत कुमार झाः मिथिला क्षेत्रक बंद पड़ल चीनी मिलकें चालू करेवाक लेल मिथिला स्टूडेंट यूनियन द्वारा 28 मई सं शुरू भेल आंदोलनक पहिल दिनक केन्द्र बिन्दु दरभंगा रहल। शनिदिन भोरे सं दरभंगामे सैकड़ोक संख्यामे युवा लोकनिक जुटानी अहि बातक गवाही दैत छल जे आब मिथिलाक युवामे अपना आपकें आ अपन धरोहरकें संरक्षण करवाक खगदा देखना जा रहल अछि। शनिदिन भोरे 9 बजे सं तय समयक अनुसार इ आंदोलन शुरू भेल जे सांझा 5 बजे धरि चलल आ ओहिकें बाद मिथिला स्टूडेंट यूनियनक कार्यकर्ता लोकनि सकरी लेल कूच कऽ गेलाह।
    आजूक आंदोलन रैली आ धरनाक रूपमे दरभंगाक आयकर चौराहा सं शुरू होइत दरभंगा समाहरणालय तक पहुंचल। समाहरणालय लग पहुंच कऽ इ आंदोलनी लोकनि थोड़ेक काल शांतिपूर्ण धरना दैत ओहिकें बाद मिसूक कार्यकर्ता लोकनि कलक्टर साहेब कें ज्ञापन दैत फेर अगिला दिनक आंदोलन लेल सकरी निकलि गेलाह। पहिल दिनक जे आंदोलन छल ओकरा देखलाक बाद इ निश्चित रूपहिं कहल जा सकैत अछि जे दोसर दिनक आंदोलन आ अहिमे लोकक संख्यामे आओर बेसी बढ़ौतरी हैत।
    दिन भरि पूरा दरभंगामे चीनी आ मिसूक जयजयकार सं जाहि तरहक महौल बनल ओ निश्चित रूपिंहं बहुत आंदोलनीक लेल चिंताक विषय सेहो बनि सकैत अछि संगहि कतेको स्थानीय नेता लोकनिकें इ आंखिमे आकड़ जेना गड़लो हैत आ आगूओ गड़ि सकैत अछि, मुदा मिथिलाक विकासक लेल जाहि तरहक हल्ला अहि नवयुवक लोकनिक द्वारा कैल जा रहल अछि ओकर जतेक प्रशंसा कैल जाए ओ कम छै।